सुक्खा बन्दरगाह वीरगञ्ज भन्सारमे जोड़ल गेल


वीरगञ्ज (पर्सा), १ सावन: सिर्सियास्थित सुक्खा बन्दरगाह भन्सार कार्यालय आइसँ वीरगञ्ज भन्सार कार्यालयमे जोड़ल गेल अइछ। सङे, एकीकृत कार्यालयसँ सेवा प्रवाह सेहो प्रारम्भ कएल गेल अइछ।

अइसँ पहिने वीरगञ्ज भन्सार कार्यालयक मातहत एकीकृत जाँच चौकी छल। तहिना, सुक्खा बन्दरगाह भन्सार कार्यालय एकटा अलग कार्यालयक रूपमे अस्तित्वमे छल। एकीकृत जाँच चौकीमे मालवाहक सवारीसाधनसँ वैदेशिक व्यापारक अन्तर्गत वस्तु तथा समान आयात-निर्यात कएल जाइत अइछ।

सुक्खा बन्दरगाह भन्सार कार्यालयसँ एहिसँ पहिने रेल्वे र्याकसँ समान आयात आ निर्यात होइत छल। वीरगञ्ज भन्सार कार्यालयक प्रमुख भन्सार प्रशासक दीपक लामिछाने कहलैन जे संघीय सरकारक निर्णय अनुसार सुक्खा बन्दरगाह भन्सार कार्यालय वीरगञ्ज भन्सार कार्यालयमे जोड़ल गेल अइछ।

अइ बीच, सुक्खा बन्दरगाह भन्सार कार्यालय पछिला आर्थिक वर्षमे ४९ अरब ८२ करोड़ टका राजस्व संकलन कएने अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय