तराई-मधेशमे पाइन आ सिंचाइ लेल युद्धस्तरपर काज कएल जाएत: प्रधानमन्त्री


काठमाण्डू, ७ साओन: प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली तराई-मधेशमे पाइन आ सिंचाइक अभाव नै होब देबाक लेल युद्धस्तरपर काज कएल जाएत से प्रतिबद्धता व्यक्त कएने छैथ ।

प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे सांसदसभद्वारा उठाएल गेल प्रश्नक जवाब दैत काल प्रधानमन्त्री ओली मन्त्रिपरिषद्क आजुक बैसारसँ मधेश प्रदेशकेँ प्राकृतिक विपद्ग्रस्त क्षेत्र घोषणा कएल गेल जानकारी दैत, सम्पूर्ण शक्ति प्रयोग क पाइन आ सिंचाइ उपलब्ध करेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन।

“ई सरकार राष्ट्रमे रहल चुनौतीसभक सामना करबामे लागल अइछ। स्थिरता आ स्थायित्वकेँ कायम राइख आगाँ बढ़बाक हमरासभक संकल्प छै। एखन पहाड़मे वर्षा आ बाइढ़क प्रभाव अइछ तँ दोसरदिस तराई-मधेश सुख्खाके समस्यासँ ग्रस्त अइछ। ई समस्यासभक समाधानक लेल सरकार आवश्यक डेग उठौने छै,” प्रधानमन्त्री ओली कहलैन, “प्राकृतिक विपद्ग्रस्त घोषणा भेलाक बाद तराई-मधेशमे कोनो सामग्रीक आवश्यकता पड़लापर वा ‘डिप बोरिङ’ कएलापर सहज होएत। अइ दिस सरकार गम्भीर अइछ।

आब अल्पकालीन आ दीर्घकालीन उपाय खोइज क समस्या समाधानदिस लागए पड़त। अइ सम्बन्धमे सरकार कोनो कसर बाँकी नै राखत।” रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय