परपावैनसँ समृद्ध राष्ट्र निर्माणमे प्रेरणा भेटैत अइछः उपराष्ट्रपति यादव


काठमाण्डू, २१ भादबः उपराष्ट्रपति रामसहाय प्रसाद यादव कुमारी इन्द्रजात्रा आ अनन्त चतुर्दशीके अवसरमे शुभकामना देलैन अइछ । अइ पावैनसँ नेपाली समाजमे आध्यात्मिक चेतना, नैतिकता तथा राष्ट्रिय एकताके भावना सुदृढ करैत समृद्ध राष्ट्र निर्माणक लेल सबकेँ प्रेरित करबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।

कुमारी इन्द्रजात्रा आ अनन्त चतुर्दशी पावैन, २०८२ के अवसरमे आइ शुभकामना दैत ओ कहलैन, “ई जात्रा आ पावैनसभ भूगोल, क्षेत्र, समुदाय तथा परम्परागत नामअनुसार अलगअलग शैली आ नामसँ मनेलाक बादो सबके सझिया उद्देश्य अपनासभक राष्ट्रियता, अखण्डता, पारस्परिक प्रेम, भ्रातृत्व, सौहार्द, सहयोग आ एकताके भावना विकास करबाक रहल अइछ ।”

जीवित कुमारीके पूजा तथा रथयात्रा, लिङ्गो ठाड़ करबाक परम्परा, भैरव नाच, गणेश नाचलगायत सांस्कृतिक प्रस्तुतिसँ नेपाली सभ्यता आ परम्पराके मौलिक पहिचानकेँ उजागर करैत राष्ट्रिय एकताके सन्देश देबाक काज करैत आएल हुनक कहब छैन ।

‘जीवित देवी’ कुमारीकेँ शक्ति आ पवित्रताके प्रतीक मानल जाइत छै । इन्द्रजात्राके अवसरमे निकालल जाएबला रथयात्रासँ समाजमे धार्मिक आस्था आ विश्वासकेँ मजबुत बनेबाक काज होइत अइछ । इन्द्रजात्रा पावैनसँ आन्तरिक आ बाह्य पर्यटनकेँ बढ़ावा भेटैत अइट आ अइसँ देशक अर्थतन्त्रकेँ सहयोग पहुँच से उपराष्ट्र यादवके कहब छलैन ।

विशेष रुपमे तराई–मधेशमे आइ अनन्त चतुर्दशी पावैन मनेबाक परम्परा अइछ । अइ पावैनके दिन देवी लक्ष्मी तथा भगवान विष्णुके पूजापाठ क मनाएल जाइत अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय