सिंहदरबारसँ आइगजनी कएल गेल गाड़ीसभ हटेबाक काज सुरु


काठमाण्डू, ३ आसिनः ‘जेनजी’ प्रदर्शनक क्रममे सिंहदरबार परिसरमे आइगजनी कएल गेल गाड़ीसभक व्यवस्थापनक काज सुरु भेल अइछ । भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालय आइगजनी कएल गेल गाड़ीसभकेँ संसद् भवनके खाली स्थानमे व्यवस्थापन करबाक काज सुरु कएने अइछ ।

मन्त्रालयके प्रवक्ता भिमार्जुन अधिकारी ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात आ सहरी विकास मन्त्रालयके समवंयमे जेनजी प्रदर्शनक क्रममे सिंहदरबार भीतर आइगजनीसँ नष्ट भेल गाड़ीसभके हटेबाक काज आइसँ सुरु भेल जानकारी देलैन ।

“आइगजनीक कएल गेल गाड़ीसभकेँ संसद् भवनमे ल जा क व्यवस्थापन करबाक आ सिंहदरबारमे रङरोगन सुरु कएने छी”, ओ कहलैन, “तोड़फोड़ भेल गाड़ीसभके मर्मत भ रहल छै ।”

ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात आ सहरी विकासमन्त्री कुलमान घिसिङ आइगजनी कएल गेल सवारीसाधनके कारण कुरूप भेलासँ ओकरा हटा क आन ठाम व्यवस्थापन करबाक लेल निर्देशन देने छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय