सिरहामे अपहरण भेल १५ बर्षीय बालकके‌ हत्या


सिरहा । सिरहामे अपहरण भेल १५ वर्षक बालकके निर्मम हत्या भेल अइछ । गोलबजार नगरपालिका–१३ भेल्हा डंगराह निवासी संजय सिंहक बेटा अभिषेक सिंह मृत अवस्थामे भेटल छइथ ।

जिला प्रहरी कार्यालय सिरहाक सूचना अधिकारी प्रहरी निरीक्षक धर्मेशकुमार यादवक अनुसार अभिषेकक शव काल्हि बिहान घरसँ किछु दूर रहल आमक बगैचामे भेटल गेल छल । घटनास्थलमे आवश्यक प्रक्रिया पूरा करबाक लेल डग टोली बोलायल जाएत से जानकारी देलक । परिवारक कथन अनुसार अभिषेक रातिके करीब ८ बजे सँ बेपत्ता भेल छल । रातभरि खोजतलास करबाक बाबजूद किछु पता नहि चलल । आइ भोर करीब ८ बजे अभिषेकक मोबाइलसँ ओकर मायक मोबाइलमे अपहरण भेल आ फिरौती मागल गेल संदेश आयल छल ।

ई घटनाक जानकारी पाबि परिवार तत्काळ प्रहरीसँ सम्पर्क केलक । प्रहरीक अनुसार घटनाक विस्तृत अनुसन्धान सुरु भऽ गेल अछि आ दोषीकेँ गिरफ्तारी करबाक खोजतलास जारी अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको