नित्यानन्द मण्डल
शिक्षक दिवस । सभदिन शिक्षाक बात होइते रहैत छैक । किछु रोमाञ्चक क्षणक स्मरण सेहो किएक नहि कएल जाय । कहबाक कोनो बेगरता नहि जे एहि तस्वीरमे दुनू गोटे धनुषाक बहुचर्चित हेडमास्टर लोकनि छथि ।
एकगोटेक सम्बन्धमे त व्यवहारतः हेडमास्टरसभक हेड सर कहलासँ सेहो कोनो हर्जा नहि होयबाक चाही । केहनो अगत्ती,उकठी,लबरैय आ गुण्डैई करएबाला विद्यार्थीके कहुँ धोखाधाखीमे ई हेड मास्सैब लोकनि सोँझा परि गेलाह त बुझु जे विद्यार्थीके हालत पञ्चर ।
लाटसाहेब विद्यार्थी लोकनिकेँ पैजामे किँदुन भ जाई ।सिँगरेट,विरी,खैनी आ जनकपुरमे बौआईबाला, सिनेमा हाँलमे ढहनाईबाला, घण्टी छोडएबाला, बरण्डापर टहलबाला, भुजाभरिक दोकान पर भिड लगबएबाला, टिफिनमे भागएबालाके देख नै चाहथिन्ह । पिठिअौटा लाल । सोझे पिठियौटापर दोदरा निखारि देथिन्ह, जाहि ल क पएलहुँ ताहि ल क छौकी होइक की डस्टर वा खल्ली । ककरो मजाल ने छैक जे मुँह लगबतथि ।
किछुदिनधरि दुनू गोटे वभनागामा स्कुलमे सँगे रहथि । बादमे अगले बगलेमे एक गोटे बभनगामा त दोसर गोटे बहुअर्वा स्कुलसँ फस्टकलास फस्ट भ क दुनू गोटे रिटार्यड छथि । खैर जे कहियौक हृदयसँ दुनू गोटे बड कोमल,भावुक आ द्रवित साहित्य,कला,संगीत आ संस्कृतिक अनुपम अनुरागी छथि । शानदार पारिवारिक माहौल,संस्कृतिक चासनीमे सराबोर डुबल रहैत छथि । जनकपुरक जीवनमे रमल रहैत छथि ।
तैं ने सिनेमाहाँलक टिकटक काउण्टर पर एकाएक अभरल छलाह ।
हमहुँ सकपका गेल रही । सक्कीफक्की गुम्म । धखा गेल रही । पत्ता ने की कहता की नँई । असलमे हमर गुरुवर हेडसर जे रहथि तै बुझु जे जानमे जान आएल । किछु ने कहलनि सहृदयतासँ लेलनि । हमरा लगैए संरक्षण फिल्म रहैय कि ? किरणके कनेखिलयनि जे एक क्लिक मारि दिऔ । ऐतिहासिक हेतैक । आब ने ओ देवी छैक आ ने कराह ।
नमन करैत छियनि परमादरणीय प्रधानाध्यापकद्धय श्री कामेश्वर मल्लिक आ अयोध्यानाथ चौधरी सरके, हिनका लोकनि सहित संसारक सम्पूर्ण शिक्षक लोकनिकेँ हार्दिक नमन । प्रणाम सर । कहलसुनल माफ कएल जएतैक । सभ परमात्माक लिला छैक ।
Source: Nityanand Mandal/facebook





