राजविराज । बितलका साल जँका अहुबेर सेहो मधेश सहित देशेभैर विशेष श्रद्धा भक्ति सँग छैठ पाबैन मनाएल गेल अइछ ।
मंगल दिन भोरक उगैत सूरुजके अघ्र्य दए विधिवत रूप स छठ पर्व सम्पन्न भेल । गाम–घरक पोखैर आ तलावमे केराक थम्ह, अशोकक डाइर, बाँस आदिक स्थानीय सामग्री स सजल कलात्मक घाट बनाएल गेल छल । ओही अवसरमे गामसभमे नाच–तमासा, नाटक, छोक्कडबाजी जेकाँ मनोरंजनात्मक कार्यक्रमसभ सेहो आयोजित भेल छल ।
कात्तिक शुक्ल पक्षक चउथी तिथि सँ “नहाय–खाय” आरम्भ भेल आ सोमदिन साँझ अस्तैत सूरुज आ मंगलदिन भोरुका उगैत सूरुजके अघ्र्य दए ई पर्व सम्पन्न भेल । ई पर्व सन्तानक सुख–समृद्धि, दीर्घायु आ रोग–व्याधि सँ मुक्ति लेल श्रद्धा सँग करबाक परम्परा रहल अइछ ।





