काठमाण्डू, १५ कातिकः नेपाली कांग्रेसक नेता तथा पूर्वमन्त्री मोहम्मद आफ्ताब आलमके स्वास्थ्यमे गम्भीर समस्या भेलाक बाद अस्पतालके सघन कक्ष (आइसियू) मे इलाज भ रहल अइछ ।
किडनीमे सङ्क्रमण देखलाक बाद सिनामङ्गलस्थित काठमाण्डू मेडिकल कलेज शिक्षण अस्पतालके आइसियूमे इलाज भ रहल जनौलक अइछ । ओ लम्बा समयसँ किडनीके डायलाइसिस कराए रहल अइछ ।
बिगतमे रौटहतसँ प्रतिनिधिसभामे प्रतिनिधित्व करैत किछ समय वन तथा वातावरण आ श्रम तथा रोजगार मन्त्रीके जिमेवारी सम्हारने छलैथ ।
(रासस)





