बेमौसमी वर्षासँ सुनसरीमे दू अरबसँ बेसीक कृषि उपज नष्ट


धरान (सुनसरी), १६ कातिकः अइ कातिक १३ आ १४ गते भेल बेमौसमी वर्षासँ सुनसरीक किसानक पाइक रहल धान तथा तरकारीबालीमे क्षति पहुँचल अइछ । जिलामे लगाएल गेल धान, तरकारीबालीमे क्षति भेलासँ लगभग दू अरब टका बराबरक नोक्सान भेल जिलास्थित कृषि ज्ञान केन्द्र जनौने अइछ ।

केन्द्रक प्रमुख नीलकमल सिंह जानकारी देलैन जे जिलामे ४८ हजार ९०० हेक्टर क्षेत्रफलमे धानखेती होइत छल, जाहिमे वर्षा लगभग १४ हजार ४०० हेक्टरमे क्षति पहुँचौलक अइछ । हुनक कहब अनुसार, धानमे राधाबार, बास्मती सहित जातक बालीमे बेसी क्षति भेल अइछ ।

“अगौटे जातक लगभग २० प्रतिशत किसान धान काइट चुकल छल, बाकी हावा बिहाइर आ वर्षा खेतमे गिरा देलक,” सिंह कहलैन, “अखनधैर लगभग नौ हजार ६०० हेक्टर क्षेत्रफलक धान मात्र काटल गेल अइछ । बाकी बाइढ़ आ निरन्तर वर्षाक कारण सइड़ रहल अवस्थामे पहुँचल अइछ ।”

अखनो वर्षा भ रहलासँ काइट क राखल धान सेहो उठाबैमे समस्या भ रहल हुनकर कहब छैन । “किछु दिनमे घाम लगल तँ पाइन सुखलापर खसल धान निकालल जा सकैत अइछ, मुदा किछु गुणस्तर तँ घइट क आओत, नै तँ ओइमे सइड़ जेबाक अवस्था आइब जाएत ,” ओ कहलैन ।

रामधुनी नगरपालिका–९ क किसान जङ्गबहादुर घिमिरे बताैलैन जे दू बिघा क्षेत्रफमे लगाएल धान वर्षासँ पूरा नष्ट भ गेल । हुनक कहब अनुसार, वर्षासँ खेतमे बाँकी रहल धान सेहो सइड़ रहल अवस्थामे अइछ । “लगभग १२ कट्ठा जतेक धान खाएब वा गाई-गोरुकेँ घाँसक रूपमे प्रयोग करबाक लेल सेहो नै हेत। दू दिनक वर्षासँ दू लाखसँ बेसी नोक्सानी भेल,” ओ कहलैन ।

रामधुनीक किसान सुर कुमार राई बताैलैन जे लगभग नौ कट्ठामे लगाएल तरकारी आओर आठ कट्ठाक धान बेमौसमी वर्षा नष्ट क देलक । ओ कहलैन, “तरकारी फइर गेल छल, धान सेहो पाइक रहल छल,सब खेतमे गिरा देलक । आब कोना गुजारा करब से चिन्ता अइछ ।”

सुनसरीमे चाइर सओ ५८ हेक्टरमे होएबला कोदोखेतीमेसँ लगभग १० प्रतिशतमे क्षति पहुँचल बात कृषि ज्ञान केन्द्रक प्रमुख सिंह बताैलैन। ओ कहलैन, “कोदोक गाछ ठुठिया आओर मजबूत होएसँ कम क्षति भेल छै।” आठ हजार १०० हेक्टरमे होएबला तरकारीखेतीमेसँ लगभग ९५ प्रतिशतमे क्षति पहुँचल बात ओ जानकारी देलैन ।

प्रमुख सिंहक अनुसार, फरल काँकर, परोर, बोरी, झुंगनी सहित तरकारी तथा ओकर गाछ सेहो नष्ट भेल अइछ । जिलामे ५३० हेक्टर क्षेत्रमे होएबला केरा खेतीमेसँ ८० प्रतिशत वर्षा नष्ट कएने अइछ, ई करैत ओ किछु उइख खेतीमे सेहो क्षति पहुँचल बात बताैलैन।

जिलाक देवानगञ्ज, रामधुनी, कोशी, इनरुवा आ भोक्राह नरसिंह गाउँपालिकामे सबसँ बेसी धान, केरा आओर तरकारीखेतीमे क्षति पहुँचल बात ज्ञान केन्द्र जनौने अइछ । केन्द्रक प्रमुख सिंहक अनुसार, अखनधैर सङ्कलन भेल विवरणमे लगभग दू अरब ५० करोड़ टका’ बराबरके क्षति भेल अइछ । ओ कहलैन, “सब पालिकासँ क्षतिक विवरण सङ्कलन भ रहल अइछ । एकरा लेल सम्बन्धित निकायकेँ विवरण सङ्कलनक लेल पत्राचार क देल गेल अइछ ।” (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको