वीरगञ्ज महानगरकेँ विद्युतीय उपकरण आ फर्निचर सहयोग


वीरगञ्ज (पर्सा), १७ कातिकः बितल भादब २३ आ २४ गतेके जेनजी आन्दोलनक क्रममे क्षतिग्रस्त भेल वीरगञ्ज महानगरकेँ विभिन्न सङ्घसस्था विद्युतीय उपकरण आ फर्निचर सहयोग केलक अइछ ।

सामाजिक उत्तरदायित्वअन्तर्गत रैबदिन एनपीएल सामाज कल्याण संस्था सातटा ‘डेस्कटप कम्प्युटर’ आ तीनटा ‘प्रिन्टर’ उपलब्ध करौलक अइछ । वीरगञ्जस्थित महानगर कार्यालयमे आयोजित कार्यक्रममे संस्थाक निर्देशक अरविन्द अमात्य उक्त सामग्री हस्तान्तरण करैत नगरवासीके लेल प्रवाह कएल जाएबला सेवामे सहजताक लेल सामग्री सहयोग कएने बतौलैन । तहिना, निजी क्षेत्रक ब्रिटानिया नेपाल प्रालि सेहो महानगरके २० टा कुर्सी प्रदान केलक अइछ । ओइसँ पहिने सूर्य नेपाल प्रालि ल्यापटप, कम्प्युटर आ प्रिन्टर सहयोग कएने छल, तँ औषधि उत्पादक सङ्घ, वीरगञ्ज इकाइ कम्प्युटर, प्रिन्टरसहितक विद्युतीय सामग्री महानगरके उपलब्ध करौने छल ।

प्राप्त सहयोगसँ कार्यालय संचालन करबामे आसान होबाक सङे कर्मचारीमे मनोबल बढ़ल महानगर जनौलक अइछ । महानगर प्रमुख राजेशमान सिंह कठिन समयमे साथ आ सहयोग केनिहार सब सङ्घ–संस्था आ उद्यमी समुदायप्रति आभार व्यक्त केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय