विश्वकप क्रिकेटक लेल खेलाड़ी छनौट


काठमाण्डू, ७ पुसः अइगला फरवरी ७ सँ मार्च ८ तारिखधैर भारत आ श्रीलङ्कामे संयुक्त रूपमे आयोजन होएबला आइसिसी टी–२० विश्वकप क्रिकेट २०२६ के लेल नेपाली क्रिकेट टोलीके प्रारम्भिक चरणमे २४ गोटे खेलाड़ी भेल अइछ ।

आइसँ सुरु होएबला प्रशिक्षण क्याम्पके लेल २४ गोटे खेलाड़ीकेँ छनौट कएल गेल नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) जनौलक अइछ ।

छनौट होएबला खेलाड़ीमे रोहित पौडेल, कुशल भुर्तेल, सन्दीप जोरा, दीपेन्द्र सिंह ऐरी, नन्दन यादव, सन्दीप लामिछाने आ आरिफ सेख छैथ ।

तहिना, आदिल अन्सारी, शेर मल्ल, भीम सार्की, विनोद भण्डारी, अविनाश बोहरा, आसिफ सेख, कुशल मल्ल, गुलशन झा, सोमपाल कामी, ललित राजवंशी, लोकेश बम, करण केसी, साहब आलम, इशान पाण्डे, बसिर अहमद, प्रतिस जीसी आ रुपेश कुमार सिंह सेहो छनौट भेल छैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय