वर्तमान सरकार निर्वाचनके माध्यमसँ जिमेवारी हस्तान्तरण करत: गृहमन्त्री अर्याल


काठमाण्डू, १७ पुसः गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल वर्तमान सरकार विधिक शासन, भ्रष्टाचारमुक्त प्रशासनक प्रत्याभूति करैत सुशासन कायम क निर्वाचनक माध्यमसँ जिमेवारी हस्तान्तरण करबाक उद्देश्यसँ निर्वाचनक तैयारीमे लागल कहलैन अइछ।

अध्यागमन विभागद्वारा आइ एत आयोजित ‘विदेशी नागरिक व्यवस्थापन सूचना प्रणाली’ (एफएनएमआइएस) कार्यक्रमक शुभारम्भ करैत मन्त्री अर्याल कहलैन जे आसन्न निर्वाचनकेँ स्वच्छ, निष्पक्ष आ भयरहित वातावरणमे सम्पन्न करबाक लेल यथास्थानसँ सरोकारबलासभके यथोचित भूमिकाके अपेक्षा सरकारके अइछ ।

ओ नेपाल भ्रमण करैबला विदेशी नागरिकके भ्रमण सुरक्षा, सूचनामे सहजीकरण, सम्भावित अपराध नियन्त्रण आ नेपालक पर्यटन प्रवर्द्धनमे सहयोग पहुँचेबाक उद्देश्यसँ आइ शुभारम्भ भेल अइ प्रणाली अध्यागमन सूचना व्यवस्थापन प्रणालीमे एकटा मिलकेपत्थर साबित हाेबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।

विभागक महानिर्देशक रामचन्द्र तिवारी कहलैन जे अइ प्रणालीसँ अध्यागमन कानुन बमोजिम विदेशी नागरिकक आवतजावत आ बसाइकेँ प्रभावकारी बनाएत, आगन्तुकक व्यक्तिगत सुरक्षा आओर मजबुत बनाएत, विपदक समयमे खोजी तथा उद्धारमे सहजीकरण करत, नेपाल बसाइक क्रममे भ सकैबला अवाञ्छित क्रियाकलापकेँ निगरानी करत, अपराध भेलापर अनुसन्धान प्रभावकारी बनाएत आ विश्वस्तरमे नेपालकेँ सुरक्षित पर्यटकीय गन्तव्यक रूपमे विकास करएमे सहयोग पहुँचाएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय