रासस/क्यूएनए
जेनेभा, २३ पुसः मानव अधिकारक लेल उच्चायुक्तके कार्यालय (ओएचसीएचआर) भेनेजुएलामे बइढ़ रहल तनावपुर्ण स्थितिके बारेमे चिन्ता व्यक्त केलक अइछ । अमेरिकाद्वारा कएल गेल सैन्य अपरेशनके परिणामस्वरूप भेनेजुएलाके राष्ट्रपति निकोलस मादुरो आ हुनक कनियाकेँ गिरफ्तारी क देश निकाला कएल गेल अइछ ।
संयुक्त राष्ट्रसङ्घक उच्चायुक्त भोल्कर टर्कके प्रवक्ता रविना शामदासानी पत्रकार सम्मेलन करैत अमेरिकी सैन्य कारबाही अन्तर्राष्ट्रिय कानूनक सङे संयुक्त राष्ट्रके बडापत्रके उल्लङ्घन भेल बतौलैन अइछ ।
भेनेजुएलामे अमेरिकी सैन्य कारबाहीके कारण संसारभैरके अन्य राज्यसभ अपने असुरक्षित भेल महसुस भेल कहैत ओ अन्तर्राष्ट्रिय कानूनके उल्लङ्घन क एकपक्षीय सैन्य हस्तक्षेपद्वारा जवाफदेहिता हासिल नै होबाक धारणा व्यक्त केलैन ।
भेनेजुएलाके भविष्य भेनेजुएलाक जनताके आत्मनिर्णयके अधिकार, अपन जीवन आ स्रोतपर सार्वभौमसत्ता लगायत मानव अधिकारक पूर्ण सम्मानसँ निर्धारण करबाक चाही से शामदासानीके कहब छलैन ।
अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प बितल शैनदिन भेनेजुएलाके राजधानी काराकाससहित देशक प्रमुख स्थलसभकेँ लक्षित क सैन्य आक्रमण करबाक घोषणा कएने छलैन । अपरेशनके परिणामस्वरूप भेनेजुएलाके राष्ट्रपति आ हुनक कनियाके गिरफ्तार क अमेरिकी अदालतमे मुद्दा चलेबाक लेल अमेरिकामे राखल गेल अइछ ।
–––





