लालबन्दीमे प्रथम मधेश प्रदेश आमन्त्रण मेयर गोल्डकप हएत


बरहथवा (सर्लाही), २४ पुसः फुटबल खेल आ खेलाड़ीके प्रवर्द्धन करबाक उद्देश्यसहित सर्लाहीके लालबन्दीमे ‘प्रथम लालबन्दी मधेश प्रदेश आमन्त्रण मेयर गोल्डकप २०८२’ आयोजन होबए लागल अइछ ।

बुधदिन सर्लाहीके लालबन्दी नगरपालिका–१, नवलपुर फुटबल रङ्गशालामे पत्रकार सम्मेलन क प्रतियोगिताके बारेमे जानकारी देल गेल । लालबन्दी नगरपालिका मुख्य आयोजक रहल उक्त प्रतियोगिता माघ १६ गतेसँ २७ गतेधैर संचालन हएत ।

प्रतियोगितासँ स्थानीय स्तरमे भेल खेलाड़ीके प्रवर्द्धन करबामे सहयोग होबाक जीवेश्वर युवा क्लबक अध्यक्ष दीपेन्द्र बुढाथोकी जानकारी देलैन ।

प्रतियोगितामे अन्तर प्रदेशक चाइरसहित १२ टोलीकेँ सहभागिता रहत । माघ २७ गते फाइनल खेल होबाक आ प्रतियोगिताके विजेता तीन लाख टका आ उपविजेता एक लाख ५० हजार टकासहित शिल्ड, मेडल आ प्रमाणपत्र प्राप्त करबाक आयोजक जनौलक अइछ । ‘म्यान आफ दी म्याच’ सहित प्रतियोगितामे अन्य पाँच विधामे खेलाड़ीकेँ पुरस्कृत कएल जाएत से अध्यक्ष बुढाथोकी बतौलैन ।

प्रतियोगितासँ नवलपुर क्षेत्रके खेल पर्यटनमे सेहो फाइदा होबाक लालबन्दी नगरपालिका–१७ के वाड अध्यक्ष सेहो रहल नगर खेलकुद विकास समितिक संयोजक विष्णु अधिकारी बतौलैन ।

सहभागी टोलीसभमे सर्लाहीके जीवेश्वर युवा क्लब, पर्साके वीरगञ्ज युनाइटेड, बाराके रतनपुर युनाइटेड, रौतहटके नेपाल खेलकुद क्लब, महोत्तरीके ब्याग्ङखाड़ी युवा क्लब, धनुषाके धनुषा–११, सिरहाके गोलबजार स्पोर्ट्स क्लब, सप्तरीके न्यू त्रियुगा स्पोर्ट्स क्लब, उदयपुरके गाईघाट युवा क्लब, सुनसरीके इनरुवा फुटबल क्लब, चितवनके भरतपुर फुटबल क्लब आ हेटौँडाके मकवानपुर जिला फुटबल सङ्घ अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय