रासस/एपी
तेहरान, २९ पुसः इरानमे नागरिकपर लगाएल गेल किछ प्रतिबन्धसभ आइ आंशिक रूपमे हटाएल गेल अइछ । देशभैर फैलल रक्तपातपूर्ण विरोध प्रदर्शनक बाद पहिल बेर इरानी नागरिककेँ मोबाइल फोनमार्फत विदेशमे फोन करबाक लेल अनुमति देल गेल अइछ । मुदा, इन्टरनेटमे लगाएल गेल प्रतिबन्ध यथावत् अइछ, तँ एसएमएस टेक्स्ट सन्देश सेवा अखनो बन्द अइछ । बितल समय राज्य विरुद्धक प्रदर्शनके क्रममे कम्तिमे ६ सओ ४६ गोटेक मृत्यु भेल बताओल गेल अइछ ।
विदेशमे फोन करबाक छुट देलाक बादो विदेशसँ इरान भीतर फोन करबाक सुविधा नै देल गेल तेहरानक स्थानीयसभक कहब अइछ ।
मानव अधिकार कार्यकर्तासभक अनुसार जारी विरोध प्रदर्शनमे मृत्यु होएबलाके संख्या कम्तीमे ६ सओ ४६ अइछ ।
एजेन्सीके अनुसार मृतकमध्ये ५ सओ १२ गोटे प्रदर्शनकारी आ १ सओ ३४ गोटे सुरक्षा बलके सदस्य अइछ । बितल दू हप्तामे १० हजार ७ सओसँ बेसी प्रदर्शनकारीकेँ हिरासतमे लेल गेल अइछ ।





