महोत्तरी, ७ माघः प्रतिनिधि सभा निर्वाचनकेँ ल क मतदातामे उत्साह बढ़ल अइछ । राजनीतिक दलक स्थानीय नेता तथा कार्यकर्ता मात्रे नै भ मताधिकार प्राप्त नै भेल व्यक्तिसभ सेहो चुनावक चर्चामे व्यस्त छैन ।
मङ्गलदिन उम्मेदवारक मनोनयनपत्र दर्ता सङे आम जनमानसमे चुनावी चर्चा सुरु भेल अइछ । महोत्तरीके चाइर प्रतिनिधि सभा निर्वाचन क्षेत्रके लेल १ सओ ४३ गोटे मनोनयनपत्र दर्ता कराैलाक बाद जिलामे चुनावक वातावरण बनल अइछ ।
मुख्य निर्वाचन अधिकृत माधव प्रसाद अधिकारीके कहब अनुसार क्षेत्र नं. १ मे २७, महोत्तरी–२ मे ३७, महोत्तरी–३ मे ४२ आ महोत्तरी–४ मे ३७ गोटे उम्मेदवारी दर्ता करौने जिलास्थित मुख्य निर्वाचन अधिकृतक कार्यालय जनौलक अइछ । जिलाभैर १३ गोटे महिला उम्मेदवारक मनोनयनपत्र दर्ता भेल अइछ । जइमे क्षेत्र नं. १ मे चाइर, २ मे पाँच, ३ मे दू आ ४ मे दू गोटे छैथ ।
चारू निर्वाचन क्षेत्रमे शांतिपूर्वक उत्साहजनक मनोनयनपत्र दर्ता कार्यक्रम सम्पन्न भेल प्रमुख जिला अधिकारी इन्द्रदेव यादव बतौलैन । मनोनयनपत्र दर्ता कार्यक्रमसँ पहिने बितल सोमदिन चारू निर्वाचन क्षेत्रके निर्वाचन अधिकृतक कार्यालयमे सम्पन्न सर्वपक्षीय बैसारसँ निर्वाचन आचारसंहिताके सब पक्षसँ पूर्ण परिपालनाके प्रतिबद्धता जनाएल गेल छल । निर्वाचनक लेल उच्चतम सुरक्षा प्रबन्ध मिलाएल गेल प्रमुख जिला अधिकारी यादवके कहब छैन ।
महोत्तरीमे अइ बेरक निर्वाचनमे चाइर लाख ३१ हजार २ सओ ५२ मतदाता सहभागीता जनाओत । जइमे दू लाख ३५ हजार १ सओ ८३ पुरुष, एक लाख ९६ हजार ९७ महिला आ अन्य दू गोटे रहल जिला निर्वाचन कार्यालय जनौलक अइछ । रासस





