सिरहा, १० माघ : राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)क कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा सिरहास्थित राससक सेवाग्राही तथा सञ्चारकर्मीसँ संयुक्त रुपमे बातचित केलैन अइछ ।
लहानस्थित रासस कार्यालयमे आइ ओ राससक सेवाबारे सेवाग्राहीसँ बातचित कएने अइछ। ताहि क्रममे अध्यक्ष झा रासससँ प्रारम्भ भेल विभिन्न मातृभाषाक समाचार सेवा आ श्रव्यदृश्य सेवाबारे जानकारी दैत राससक सेवाकेँ समयसापेक्ष आ प्रविधिमैत्री बनबए लेल संस्था गम्भीर रहल बतौलैन ।
अध्यक्ष झा राससके विश्वसनीयताबारे चर्चा करैत कहलैन, “हमरासभहक सेवा देशभितर मात्रे नै अन्तर्राष्ट्रीय सञ्चारमाध्यममे सेहो आधिकारिक स्रोतके रूपमे उपयोग भ रहल अइछ । हम सञ्चारकर्मी साथीसभकेँ न्यूनतम शुल्कमे राससक सेवा ल क अपन सञ्चारमाध्यमकेँ आओर गुणस्तरीय बनेबाक लेल आग्रह करैत छी ।”
राससक सेवाग्राही एवम् जिया मिडिया हबके पत्रकार अनिल यादव रासससँ उत्पादित सामग्री विश्वसनीय भेलासँ हमरासभ समाचार सामग्री ल रहल कहैत आओर गुणस्तरीय सामग्री रासस प्रवाह करत से भरोसा रहल बतौलैन । ओ न्यून शुल्कमे राससक विविध सेवा प्राप्त भेलासँ स्थानीय सञ्चारमाध्यमकेँ पैघ राहत मिलल बतौलैन । (रासस)





