निर्वाचनक ३० दिन बाँकीः छानबिनके बाद समानुपातिक बन्दसूचीसँ ७६ गोटेके नाम हटाएल गेल


काठमाण्डू, २० माघः अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसके बन्दसूचीसँ ७६ गोटेके नाम हटाएल गेल निर्वाचन आयोग जनौलक अइछ ।

राजनीतिक दलसभ पेस कएने उम्मेदवारक बन्दसूचीमे निर्वाचन आयोग छानबिन कएलापर ७६ गोटेके नाम हटेबाक निर्णय कएल गेल प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराईद्वारा जारी कएल गेल विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ । समानुपातिक निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयमे देल गेल उजुरी, प्रचलित कानुनसँ निर्धारण कएल गेल उम्मेदवारक योग्यता तथा अयोग्यतासम्बन्धी व्यवस्था, निर्वाचन आयोगसँ विभिन्न मितिमे भेल निर्णय आ राजनीतिक दलसँ प्राप्त जानकारीके आधारमे उम्मेदवारसभक विवरण रूजु कएल गेल ओ बतौलैन ।

आयोगक अनुसार नेपाली कांग्रेससँ एक, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)सँ एक, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीसँ तीन गोटे समानुपातिक उम्मेदवारके नाम हटाएल गेल अइछ । प्रवक्ता भट्टराईके कहब अनुसार कर्जा सूचना केन्द्रके कारी सूचीमे भेल २१, प्रदेश सभा सदस्य समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसके बन्दसूचीमे नाम कायम भेल २५, निर्वाचन आयोगसँ निर्धारण कएल गेल जरिवाना भुक्तान नै कएने १०, दू वर्ष उमेर पूरा नै भेल चाइर, मतदाता नामावलीमे नाम समावेश नै भेल एक आ मतदाता नामावली पिछड़ल क्षेत्रमे नै भेल दू गोटेके नाम हटाएल गेल अइछ ।

तहिना, महिला उम्मेदवार होबाक स्थानमे पुरूष उम्मेदवारक नाम पेस कएल गेलासँ सेहो एक गोटेके नाम हटाएल गेल अइछ । सम्बन्धित राजनीतिक दलके आग्रहमे १० गोटेके नाम बन्दसूचीसँ हटाएल गेल प्रवक्ता भट्टराई बतौलैन । उल्लेख कएल गेल कारणमध्ये एकसँ बेसी कारण पड़ल दू गोटेके नाम सेहो बन्दसूचीसँ हटाएल गेल अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय