प्रधानमन्त्री कार्कीसमक्ष ओहदाके प्रमाणपत्र पेस


काठमाण्डू, २७ माघः नेपालक लेल संयुक्त राष्ट्र सङ्घक आवासीय संयोजक (रेजिडेन्ट कोअर्डिनेटर) लिला पिटर्स याहिया प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीसमक्ष अपन ओहदाके प्रमाणपत्र पेस केलैन अइछ ।

नवनियुक्त संयोजक याहिया सोमदिन प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालय, सिंहदरबारमे प्रधानमन्त्री कार्कीकेँ भेट अपन ओहदाके प्रमाणपत्र पेस केलैन । राष्ट्र सङ्घक महासचिव एन्टोनियो गुटेरेसद्वारा नियुक्त भेलाक बाद नेपाल सरकारक स्वीकृतिमे याहिया औपचारिक रूपमे नेपालमे अपन कार्यकाल सुरु केलैन अइछ ।

प्रधानमन्त्री कार्की नवनियुक्त संयोजक याहियाकेँ बधाई दैत सफल कार्यकालके शुभकामना देलैन ।

अइ सरकारक मुख्य कार्यादेशमध्येके निर्वाचन सम्पन्न होबाक चरणमे रहल तथा भादब २३ आ २४ के घटनाके लेल गठित जाँचबुझ आयोग सेहो अपन काज अन्तिम चरणमे पहुँचौने प्रधानमन्त्री कार्की जानकारी देलैन ।

“हमरासभ असहज अवस्थामे आएल छलौँ । शांति सुव्यवस्था आ कानुनके शासन बहालीके लेल पहिल काज केलौँ । कम समयमे हमरासभ शांति बहाल करबामे सफल भेलौँ । आओर द्वन्द्व नै होए तइ लेल सतर्कतासँ आगु बढ़ल छी । हमरासभ शांतिपूर्ण आ विश्वसनीय वातावरणमे निर्वाचन सम्पन्न होए तइ लेल सम्पूर्ण शक्तिसँ काज क रहल छी । आब निर्वाचन सेहो सम्पन्न होबाक चरणमे छै”, प्रधानमन्त्री कार्की कहलैन, “संयुक्त राष्ट्र सङ्घलगायत अन्तर्राष्ट्रिय समुदायसँ प्राप्त साथ, सहयोग आ विश्वासक लेल धन्यवाद अइछ ।”

राष्ट्र सङ्घीय निकायमार्फत नेपालक विकास आ मानवीय सहायताके लेल प्राप्त सहयोग तथा साझेदारीके लेल प्रधानमन्त्री कार्की सराहना केलैन । राष्ट्र सङ्घ आबैबला दिनमे नेपालक प्राथमिकता आ आवश्यकतामे आधारित अपन कार्यक्रम संचालन तथा सरकारसँ साझेदारी करबाक ओ विश्वास व्यक्त केलैन ।

नवनियुक्त संयोजक याहिया विषम् परिस्थितिमे प्रधानमन्त्री बनल कार्कीके नेतृत्वमे निर्वाचन सम्पन्न होबए लागलमे बधाई दैत अइ प्रक्रियामे पूर्ण सफलता हासिल होबाक कहैत शुभकामना व्यक्त केलैन ।

“देशक लेल अइ महत्त्वपूर्ण समयमे नेपालमे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक टोलीके नेतृत्व करब हमरा लेल सम्मानके विषय अइछ । युवाके लेल रोजगारी सिर्जना, शांति, समावेशिता तथा जलवायुजेहन राष्ट्रिय प्राथमिकतामे सहयोग करबाक लेल संयुक्त राष्ट्र सङ्घ पूर्ण रूपमे प्रतिबद्ध छै”, ओ कहलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय