दुर्गा प्रसाईंकेँ अनुसन्धानक लेल चाइर दिनके समय बढ़ाएल जाएत


काठमाण्डू, ५ फागुनः मेडिकल व्यवसायी दुर्गा प्रसाईंकेँ अनुसन्धानक लेल जिला प्रशासन कार्यालय काठमाण्डू प्रहरीकेँ चाइर दिन समय बढ़ाएल गेल अइछ ।

सोमदिन भक्तपुरस्थित अपने निवाससँ पकड़ाएल राष्ट्र, राष्ट्रियता, धर्म, संस्कृति आ नागरिक बचाउ महाअभियानक संयोजक प्रसाईंकेँ जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डू आइ प्रशासनमे पेश कएने छल ।

निर्वाचनसम्बन्धी अफवाह फैलाए क शान्ति भंग कएल आरोपमे हुनका सार्वजनिक शान्तिविरुद्धके कसूरमे गिरफ्तार कएल गेल आ सएह कसुरमे अनुसन्धानक लेल समय बढ़ाएल जेबाक परिसरके प्रवक्ता, प्रहरी उपरीक्षक पवन कुमार भट्टराई जानकारी देलैन अइछ ।

प्रसाईं फागुन २१ मे निर्वाचन नै हएत से सार्वजनिक रुपसँ कहैत आएल छल । अइसँ पहिनो ओ विभिन्न कसुरमे बेरबेर पकड़ाएल छल। किछ दिन पहिने वीरगञ्ज जाइत काल दक्षिणकालीसँ आ ताहिसँ पहिने पोखरासँ सेहो गिरफ्तार कएल गेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय