नेपाल आ भारत बीच फौजदारी कानुनी सहायतासम्बन्धी सम्झौता पत्रमे हस्ताक्षर


काठमाण्डू, ६ फागुनः नेपाल आ भारत बीच फौजदारी विषयमे पारस्परिक कानुनी सहायतासम्बन्धी सम्झौता पत्रमे हस्ताक्षर भेल अइछ ।

सम्झौतामे नेपाल सरकारक दिससँ कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिला मन्त्रालयके सहसचिव विनोद कुमार भट्टराई आ भारत सरकारक दिससँ नेपालक लेल महामहिम भारतीय राजदूत नवीन श्रीवास्तव मङ्गलदिन सम्झौता पत्रमे हस्ताक्षर केलैन ।

सरकारक मन्त्रिपरिषद् बैसारसँ बितल आसिन ३० गते उक्त सम्झौता करबाक निर्णय भेल अनुसार कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिलामन्त्री अनिल कुमार सिन्हाके उपस्थितिमे सम्झौता पत्रमे हस्ताक्षर कएल गेल मन्त्रालयके प्रवक्ता दल बहादुर अधिकारी जानकारी देलैन ।

सम्झौतासँ फौजदारी मुद्दाके अनुसन्धान, अभियोजन तथा न्यायिक कारबाहीके क्रममे प्रमाण सङ्कलन तथा आदानप्रदानलगायत विषयमे दूनु देशक सक्षम अधिकारी बीच सहयोग आदानप्रदान करबाक लेल विधिवत् मार्गप्रशस्त करबाक मन्त्रालयके प्रवक्ता अधिकारी बतौलैन ।

सम्झौतासँ विधिके शासन सुदृढीकरण करए तथा न्याय प्रशासनमे संस्थागत समवंय अभिवृद्धि करबाक लेल महत्त्वपूर्ण योगदान होबाक हुनक कहब छलैन । सम्झौताके कार्यावंयन सङे दूनु देशक केन्द्रीय अधिकारीसभ बीच सहकार्य आओर सबल एवं परिणाममुखी होबाक अपेक्षा कएल गेल ओ बतौलैन ।

तहिना, सम्झौतासँ नेपालमे होएबला वित्तीय अपराध न्यूनीकरण करए तथा अनुसन्धान, अभियोजन आ न्याय निरूपणकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक लेल मिलके पाथर सावित होबाक प्रवक्ता अधिकारी उल्लेख केलैन ।

सम्झौतासँ सम्पत्ति शुद्धीकरण तथा आतङ्ककारी काजमे वित्तीय लगानी करबाक काजकेँ निवारण करबाक सम्बन्धी पारस्परिक मूल्याङ्कनमे आओर सहयोग होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । समारोहमे मन्त्रालयके सचिव पाराश्वर ढुङ्गाना तथा परराष्ट्र मन्त्रालयके प्रतिनिधिसभक उपस्थिति छलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय