भक्तपुर, ६ फागुनः अइ सालके कक्षा १२ के परीक्षा अगिला वैशाख १४ गतेसँ सुरु हएत । राष्ट्रिय परीक्षा बोर्डद्वारा मङ्गलदिन परीक्षाके साधारण, परम्परागत आ प्राविधिक विषय समूह दिसक नयाँ तथा पुरान पाठ्यक्रम एवं ग्रेड वृद्धि परीक्षाके तालिका सार्वजनिक कएल गेल परीक्षा नियन्त्रक कृष्ण शर्मा जानकारी देलैन ।
परीक्षा भोर ८ बजेसँ ११ बजेधैर संचालन हएत । परीक्षाके पहिल दिन अनिवार्य अङ्ग्रेजी विषयके नयाँ आ पुरान कोर्स तथा ग्रेड वृद्धिके परीक्षा हएत । ओएह दिन नयाँ कोर्सके संस्कृत रचना, बौद्ध शिक्षा आ उर्दू व्याकरण तथा पुरान कोर्सके अनिवार्य वैकल्पिक संस्कृत रचनाके सेहो परीक्षा होबाक कार्यतालिकामे उल्लेख अइछ ।
वैशाख २७ गते सम्पन्न होएबला परीक्षामे अनुपस्थित होएबला परीक्षार्थीके लेल बोर्ड फेरसँ दोसर परीक्षाके व्यवस्था नै करत से बोर्ड प्रष्ट कएने अइछ । परीक्षाके तालिकामे कोनो आकस्मिक बिदा भेलापर परीक्षा नियन्त्रण कार्यालयके पूर्व सूचनाबिना परीक्षा स्थगित नै कएल जाएत सेहाे ओ जानकारी देलैन ।
अइ साल कक्षा १२ मे नियमितदिस तीन लाख ६० हजार परीक्षार्थी सहभागी हएत । बितल साल कक्षा १२ मे नियमितदिस तीन लाख ९६ हजार ३ सओ ४७ आ आंशिकदिस एक लाख १४ हजार ६ सओ ४० विद्यार्थी परीक्षामे सहभागी छल । बितल साल कक्षा १२ के परीक्षा वैशाख २१ गतेसँ सुरु भ जेठ २ गते सम्पन्न भेल छल ।रासस





