उपराष्ट्रपतिद्वारा प्रजातन्त्र दिवसके शुभकामना


काठमाण्डू, ७ फागुनः उपराष्ट्रपति राम सहाय प्रसाद यादव प्रजातन्त्र दिवसके अवसरमे स्वदेश तथा विदेशमे रहल सम्पूर्ण नेपालीमे सुख, शांति, समृद्धि आ उत्तरोत्तर प्रगतिके हार्दिक शुभकामना व्यक्त केलैन अइछ ।

प्रजातन्त्र दिवसके अवसरमे शुभकामना सन्देश जारी करैत ओ कहलैन, “आजुक दिन अपनासभकेँ संविधानमे निहित सङ्घीयता, समावेशिता, समानुपातिक प्रतिनिधित्व आ कानुनी राज्यकेँ अक्षुण्ण राखैत गरिबी, अशिक्षा, बेरोजगारी एवं विभेदकेँ अन्त करबाक लेल प्रेरित करैत अइछ । लोकतन्त्रकेँ मजबुत बनेबाक लेल राजनीतिक दल, नेतृत्व आ नागरिक सबके आदर्श आचरण, सकारात्मक सोच आ जिमेवारपूर्ण व्यवहारकेँ आत्मसात् करबाक आवश्यक छै ।”

प्रजातन्त्र दिवस नागरिक अधिकारक रक्षा, समान अवसरके सुनिश्चितता, सामाजिक न्यायमे आधारित समतामूलक समाजक निर्माण आ सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रकेँ सबल बनेबाक लेल सम्बद्ध सबके अपन जिमेवारी इमान्दारीपूर्वक निर्वाह करबापर उपराष्ट्रपति यादव जोड़ देलैन ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय