आइ राससके ६५म वार्षिकोत्सव


काठमाण्डू ७ फागुनः देशक एकमात्र आधिकारिक समाचार संस्था राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) आइ अपन स्थापनाके ६५म वार्षिकोत्सव मना रहल अइछ ।

वि.सं. २०१८ फागुन ७ गते निजी क्षेत्रके दूटा समाचार समिति नेपाल संवाद समिति आ सगरमाथा संवाद समितिके जोइड़ क राससके स्थापना कएल गेल छल ।

रासस नेपाली, अङ्ग्रेजी, अन्तर्राष्ट्रिय, फोटो, श्रव्यदृष्य, मातृभाषा समाचार सेवाकेँ अविच्छिन्न रुपमे उत्पादन आ सम्प्रेषण करैत आएल अइछ । राससमे अखन २४ओ घण्टा नेपाली समाचार सेवा संचालित अइछ ।

वार्षिकोत्सवके अवसरमे आइ उपराष्ट्रपति राम सहाय प्रसाद यादवके प्रमुख आतिथ्यमे भद्रकालीस्थित रासस केन्द्रीय कार्यालयमे विशेष समारोहके आयोजन कएल जाएत । वार्षिकोत्सवक अवसरमे राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल, उपराष्ट्रपति यादव, प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की, राष्ट्रिय सभाक अध्यक्ष नारायण प्रसाद दाहाललगायत विशिष्ट व्यक्ति राससके उत्तरोत्तर प्रगतिके शुभकामना व्यक्त केलैन अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय