राससकेँ युगानुकूल, प्रतिस्पर्धी आ गुणस्तरीय बनाबैत जाएबः कार्यकारी अध्यक्ष झा


काठमाण्डू, ७ फागुनः राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) क कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा समयके माँगअनुरुपके गुणस्तरीय सेवा बढ़ाबैत राससकेँ समयानुकूल बनेबाक आ सूचना प्रविधि सङे तीव्र रुपमे बढ़ाएल गेल नयाँ-नयाँ माध्यम आ आम संचारमाध्यमक बीचमे अपनाकेँ गर्व योग्य सेवाप्रदायक समाचार समितिके रुपमे स्थापित करब आजुक आवश्यकता भेल बतौलैन अइछ ।

राससके ६५म वार्षिकोत्सवके अवसरमे शुभकामना सन्देश दैत कार्यकारी अध्यक्ष झा समयके गतिअनुसार सेवाके विविधीकरण आ विस्तारमे जोड़ दैत आएल रासस प्रविधिके प्रयोग सङे सेवाकेँ २४ओ घण्टा विस्तार क नेपाली पत्रकारितामे समय सीमा (डेडलाइन)के परम्परागत मान्यतामे परिवर्तन करबाक प्रयास कएने उल्लेख केलैन ।

रासस समाचार सेवाके यात्रा केबल यात्रा मात्रे नै सत्यतथ्य, आधिकारिक एवं विश्वसनीय सूचना सम्प्रेषण क देशक आर्थिक, सामाजिक, सांस्कृतिक आ समग्र रुपान्तरणके माध्यम भेल कहैत ओ राससकेँ युगानुकूल, प्रतिस्पर्धी एवं गुणस्तरीय बनाबैत आगु बढ़नाइ आजुक आवश्यकता आ हमरासभक सझिया धर्म तथा दायित्व भेल बतौलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय