भद्रपुर (झापा), ७ फागुनः मेची भंसार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके पहिल सात महिनामे नौ अरब ९२ करोड़ २६ लाख २७ हजार टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ ।
कार्यालयके सूचना अधिकारी ईश्वर कुमार हुमागाईँके कहब अनुसार उक्त अविधिमे १० अरब ५५ करोड़ २० लाख ३४ हजार टका सङ्कलन करबाक लक्ष्य निर्धारण कएल गेल छल । यद्यपि माघ महिनामे एक अरब ५१ करोड़ ३४ लाख ३१ हजार टका सङ्कलन कएल गेल छल । ई माघ महिनाके लेल निर्धारित लक्ष्यके १ सओ २ दशमलव ३४ प्रतिशत अइछ ।
चालु आर्थिक वर्षमे १८ अरब ८७ करोड़ ७४ लाख ८३ हजार टका राजस्व संकलन करबाक लक्ष्य निर्धारण कएल गेल अइछ ।
Imagesourse:ekagaj.com





