ट्राफिक प्रहरीद्वारा सात महिनामे ७६ लाखसँ बेसी राजस्व सङ्कलन


बागमती, ९ फागुनः जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय हेटौँडा मकवानपुर चालु आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के सात महिनाके अवधिमे ७६ लाख ४६ हजार टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । कार्यालय प्रमुख प्रहरी निरीक्षक बच्चुराम फुयाँलके कहब अनुसार उक्त अवधिमे ट्राफिक नियम उल्लङ्घन कएल आठ हजार ४१४ सवारीसाधन चालकपर कारबाही कएल गेल अइछ ।

कार्यालय पछिला आव २०८१/८२ मे ट्राफिक नियम उल्लङघन करबाक ३० हजार ३४ सवारीसाधन चालकपर कारबाही क दू करोड़ ४१ लाख ४५ हजार ५४ टका राजस्व सङ्कलन कएने छल ।

प्रहरी निरीक्षक फुयाँल अनुसार मकवानपुर जिलामे चालु आवमे भेल १९६ सवारी दुर्घटनामे ३२ व्यक्तिके मृत्यु भेल आ ३८६ गोटे घायल भेल अइछ ।

पछिला आव २०८१/८२ मे मकवानपुरमे ४०७ सवारी दुर्घटनामे ५० व्यक्तिके मृत्यु भेल आ ९६५ गोटे घायल भेल छल ।

पछिला समय सञ्चालन कएल गेल ट्राफिक सचेतना आ नियमति ट्राफिक चेकजाँचके कारण सवारी दुर्घटनामे होएबला मानवीय क्षतिमे कमी अएबाक सङे ट्राफिक नियम उल्लङ्घनकर्ताके सङ्ख्यासेहो घटैत गेल प्रहरी निरीक्षक फुयाँल बतौलैन ।

“हमरासभ ट्राफिक नियम आ दुर्घटना न्यूनीकरणसम्बन्धी सचेतना कार्यक्रमसङे सड़कमे ट्राफिक जाँचमे कड़ाइ कएने छी”, ओ कहलैन, “आव २०८२/८३ मे मात्रे विद्यार्थी, नयाँ चालक, व्यवसायी, कर्मचारीसहित ५४७ बेर ट्राफिक नियमसम्बन्धी सचेतनामूलक सहजीकरण कएने छी । ताहिसँ ३९ हजार २४६ व्यक्तिकेँ सचेतना देल गेल अइछ।”

अइ बाहेक ठाम ठामँमे पर्चा, पम्पलेट, स्टिकर साटैत आ समय समयमे चालकसभके निःशुल्क स्वास्थ्य परीक्षणसेहो करैत आएल फुयाँल बतौलैन । बढ़ैत सवारीसाधनके चाप, सकेत सड़क, चालकके लापर्वाही तथा सड़कमे रहल पशुचौपायाक कारण सवारी दुर्घटना भेलासँ अइ विषयमे सेहो सचेतनामूलक कार्यक्रम सञ्चालन कएल गेल बतौलैन । रासस

Imagesourse:prastakhabar.com

ताजा खबर
लोकप्रिय