भद्रपुर (झापा), ५ चैतः मेची भंसार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके पहिल आठ महिनामे ११ अरब ५८ करोड़ छ लाख ३० हजार टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । ई ओइ अवधिके लेल निर्धारण कएल गेल लक्ष्यके ९६ दशमलव ०६ प्रतिशत अइछ ।
कार्यालयके सूचना अधिकारी ईश्वर कुमार हुमागाईँके कहब अनुसार चालु आर्थिक वर्षके फागुन महिनाधैर १२ अरब पाँच करोड़ ५८ लाख ६९ हजार टका राजस्व सङ्कलन करबाक लक्ष्य निर्धारण कएल छल । हुनक कहब अनुसार फागुन महिनामे एक अरब ६५ करोड़ ८० लाख चाइर हजार टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ । ई उक्त महिनाके लेल निर्धारण कएल गेल लक्ष्यके १ सओ १० दशमलव २६ प्रतिशत अइछ ।
चालु आर्थिक वर्षके आठ महिनामे भंसार महसुल शीर्षकमे चाइर अरब ८९ करोड़ ३३ लाख टका, भंसार महसुल निर्यात शीर्षकमे २२ करोड़ १७ लाख टका, भंसारसम्बन्धी अन्य आय शीर्षकमे ६३ लाख ६४ हजार टका, निर्यात सेवा शुल्क शीर्षकमे छ लाख २९ हजार टका, कृषि सुधार शुल्क शीर्षकमे १० करोड़ ९६ लाख टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ ।
तहिना, अन्तःशुल्क आयात शीर्षकमे २९ करोड़ ४२ लाख २४ हजार टका, सड़क मर्मत तथा सुधार दस्तुर शीर्षकमे ३९ करोड़ २३ लाख ८४ हजार टका, पूर्वाधार कर शीर्षकमे एक अरब २२ करोड़ १२ लाख ८० हजार टका, स्वास्थ्य जोखिम कर वैदेशिक उत्पादन शीर्षकमे एक लाख २१ हजार, मूल्य अभिवृद्धि कर (आयात) शीर्षकमे चाइर अरब २० करोड़ १८ लाख ८७ हजार टका आ हरित कर शीर्षकमे १३ करोड़ २३ लाख ५४ हजार टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ ।
चालु आव २०८२/०८३ के लेल जमा १८ अरब ८७ करोड़ ७४ लाख ८३ हजार टका राजस्व सङ्कलन करबाक कार्यालयके वार्षिक लक्ष्य निर्धारण कएल गेल सूचना अधिकारी हुमागाईं जानकारी देलैन । रासस





