सवारीसाधान आवागमनमे रोक लगा धुलिखेल–खावा सड़क स्तरोन्नति सुरु


काभ्रेपलाञ्चोक, ८ चैतः अरनिको राजमार्गअन्तर्गत अइ ठामस्थित धुलिखेल–खावा सड़कखण्डमे सवारीसाधान आवागमनमे रोक लगा क स्तरोन्नतिके काज सुरु कएल गेल अइछ । अइ लेल डिभिजन सड़क कार्यालय भक्तपुर उक्त सड़कखण्डके स्तरोन्नतिकार्यकेँ तीव्रता दैत शैनदिन राइतसँ दू हप्ता सड़क बन्द रहबाक जनौलक अइछ ।

लम्बा समयधैर निर्माण व्यवसायीके लापरवाहीके कारण रोकल गेल विस्तार काजके लेल नयाँ निर्माण कम्पनीसँ बितल कात्तिकमे सम्झौता कएलाक बाद पुनः स्तरोन्नतिकेँ तीव्रता देल गेल अइछ । पक्की बनेबाक लेल इएह चैत ७ गतेसँ २० गतेधैर राइतक समयमे साँझ ६ः०० बजेसँ भोर ५ः०० बजेधैर यातायातके साधान बन्द रहत । तहिना, उक्त अवधिभैर टिपरलगायत मालवाहक सवारीसाधनकेँ पूर्ण रुपमे रोक लगाएल गेल कार्यालय प्रमुख सिनियर डिभिजनल इन्जिनियर सुनम योगेश बतौलैन । हुनक कहब अनुसार चाइर किलोमिटर दूरीके उक्त सड़कखण्डमध्ये चैतमे २.५ किलोमिटर आ आबएबला वैशाखमे बाँकी पक्कीके काज सम्पन्न करबाक लक्ष्य राखल गेल अइछ ।

कार्यालय अनुसार १४ महिनामे काज सम्पन्न करएजका सीएनएवान काली जेभीसँ भ्याटबाहेक ३१ करोड़ ५६ लाख टकामे ठेक्का सम्झौता कएल गेल अइछ । अखन छोट संरचना तथा दिबाल निर्माणक काज भ रहल अइछ ।

उक्त सड़कखण्डमे पक्कीके काज सम्पन्न भेलाक बाद सड़कके ‘स्लोप मेन्टेन’ आ अन्य बाँकी काज कएल जेबाक योगेशके कहब छैन । सात मिटर चौड़ाइमे बनएबला उक्त सड़कखण्के भूस्खलन व्यवस्थापन करबाक लेल नयाँ प्रविधिके प्रयोग कएल जाएत ।

सम्झौताके समयसीमा सम्पन्न भेलाक बादो ११ महिनाके बाद २५ प्रतिशत निर्माणक काज सम्पन्न नै भेल अवस्थामे कार्यालय २०८१ फागुन १५ गते स्तरोन्नतिके जिमा लेने गौरी–पार्वती निर्माण सेवा सङे ठेक्का रद्द कएने छल । पार्वती निर्माण वि.सं. २०७९ जेठ २० मे २२ महिना अर्थात् २०८० चैत १९ गतेधैर सम्पन्न करएजका २० करोड़ १९ लाख ४६ हजार ५ सओ १ टकामे ठेक्का लेने छल ।

उक्त सड़कखण्ड अरनिकाे राजमार्गसँ नेपालक चीन सङे जुड़ल उत्तरी नाका अर्थात् सिन्धुपाल्चोकके तातोपानी तथा पड़ोसी जिला दोलखा, रामेछापलगायत जिलादिस जाएबला मुख्य सड़कके रूपमे अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय