काठमाण्डू, २८ वैशाखः राष्ट्रिय सभाके अध्यक्ष नारायण प्रसाद दाहाल जनताक हित, समृद्धि आ सुशासनक सझिया लक्ष्य प्राप्तिके लेल राजनीतिक मतभेद तथा पूर्वाग्रहसँ आगु बढ़बाक लेल जोड़ देलैन अइछ ।
राष्ट्रिय सभाके २१म अधिवेशनके शुभारम्भ करैत ओ दलीय स्वार्थसँ उपर उइठ क राष्ट्रके आवश्यकता आ राष्ट्रिय हितकेँ प्राथमिकतामे राइख परामर्शमे सहभागी होबाक लेल आग्रह केलैन ।
“ई २१म अधिवेशन बजेट अधिवेशनके रूपमे छै । अइमे सरकारक नीति तथा कार्यक्रम, विनियोजन विधेयक आ बजेटमे गम्भीर परामर्श हएत”, अध्यक्ष दाहाल कहलैन, “सङ्घीय निजामती सेवा, विद्यालय शिक्षा, नेपाल प्रहरीलगायतक विधेयककेँ प्राथमिकतासहित पारित करबाक जिमेवारी अपनासभक अइछ ।”
विगतमे विधेयकके निरन्तरता कायम नै कएलासँ देशक तत्कालीन आवश्यकता सम्बोधन करबाक महत्त्वपूर्ण विधेयक निष्क्रिय भेल उल्लेख करैत ओ तालिकाबद्ध बैसार सञ्चालन, समयमे विधेयक दर्ता, समितिके सक्रियता आ सरकारक सहयोगसँ मात्रे संसदक कार्यक्षमता बढ़बाक बतौलैन ।
अध्यक्ष दाहाल इएह अधिवेशनसँ संसद बैसारक प्रत्यक्ष प्रसारणमे साङ्केतिक भाषाके सुरुआत कएल गेल जानकारी देलैन । रासस





