काठमाण्डू, १८ जेठः चित्रकार हरेराम यादव मिथिला चित्रकलाकेँ केन्द्रमे राइख एकल चित्रकला प्रदर्शनी केलैन अइछ ।
बबरमहलस्थित काठमाण्डू आर्ट ग्यालरीमे ओ ‘सिरहासँ काठमाण्डू’ शीर्षकमे ओ चित्रकला प्रर्दशनी केलैन ।
हिमालयन लाइट आर्ट अवार्ड प्राप्त कएलाक बाद ओएक कार्यक्रम अन्तर्गत यादव बनौने चित्र प्रदर्शनी कएल गेल अइछ । वृहस्पैतदिन हिमालयन लाइट आर्ट अवार्डके निर्देशक जस्टिन झाओ आ चित्रकार एससी सुमन संयुक्त रुपमे उक्त चित्र प्रदर्शनी उद्घाटन कएने छलैन । चित्रकला प्रदर्शनी इएह जेठ २६ गतेधैर चलत ।
हिमालयन लाइट आर्ट अवार्ड सन्, २०१९ सँ सुरु भेल निर्देशक जस्टिन झाओ जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार अखनधैर उक्त अवार्ड कार्यक्रम पृथ्वी श्रेष्ठ, मान गुरुङ, लभकान्त चौधरी, जगदिश मोक्तान, प्रियांकासिंह महर्जन, सुवास तामाङ, सुरेश बस्नेत, रिती महर्जन प्राप्त क चुकल छैथ ।
चित्रकार यादव अपन चित्र कृतिसभमे छैठ पाबैन, गोवर्धन पूजा, सामा–चकेवा, झिझिया नृत्यलगायत लोक देवता तथा सांस्कृतिक परम्परासँ सम्बन्धित विषयवस्तुकेँ चित्रण कएने बतौलैन ।
मिथिला कलाके इतिहास सन् १९६० सँ सुरु भेल मानल जाइत अइछ । दिवालसँ सुरु भेल मिथिला कला कागज आ क्यानभासधैर विकसित होइत आएल अइछ ।
राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)





