स्वदेशेमे रोजगारीके अवसर बनेबापर मन्त्री यादवके जोड़


काठमाण्डू, १८ अखारः युवा, श्रम तथा रोजगारमन्त्री रामजी यादव वैदेशिक रोजगार व्यवस्थित बनाबैत स्वदेशेमे रोजगारी सिर्जना करब मन्त्रालयके मुख्य कार्यदिशा रहल बताैलैन अइछ ।

मन्त्रालयमे आइ आयोजित कार्यक्रममे मन्त्री यादव युवा उद्यमी आ व्यवसायीके सहयोगीक रुपमे मन्त्रालय भूमिका खेलत से बतौलैन । ओ वैदेशिक रोजगारीसँ आइब क स्वदेशेमे उद्यम करैत आएल उद्यमीकेँ पुरस्कृत आ सम्मान सेहो केलैन । मोरङस्थित प्रशंसा ‘हनि’ फर्मके सञ्चालक लोकबहादुर राईकेँ अइ सालके उत्कृष्ट उद्यमी राष्ट्रिय पुरस्कार प्रदान कएल गेल अइछ तँ अन्य ६ टा व्यक्तिकेँ उद्यमी राष्ट्रिय पुरस्कार प्रदान कएल गेल अइछ ।

कतारमे रोजगार क स्वदेश आएल मौरीपालनक राई उद्यम यात्राके अपन अनुभव सुनौलैन।

तहिना, झापाक मनिका राई, सप्तरीक देवलाल यादव, सिन्धुलीक यम कुमार गोले, पर्वतके शिव कुमार क्षेत्री, अर्घाखाँचीक दिनेश खत्री आ बाजुराके कर्मराज मल्ल उद्यमी राष्ट्रिय पुरस्कार प्राप्त केलैन ।

कार्यक्रममे मन्त्रालय बालश्रममुक्त घोषणा भेल १३ स्थानीय तहकेँ सम्मान कएल गेल छल । काठमाण्डूके चन्द्रागिरि नगरपालिका, म्याग्दीके रघुगङ्गा गाउँपालिका, रोल्पाके त्रिवेणी गाउँपालिका, कपिलवस्तुके बुद्धभूमि नगरपालिका आ बाणगङ्गा नगरपालिका, इलामके सूर्योदय नगरपालिका, तनहुँके म्याग्दे गाउँपालिका, भोजपुरके पौवादुङमे गाउँपालिका, बागलुङ्गके बरेङ गाउँपालिका, स्याङ्जाके बिरुवा गाउँपालिका आ फेदीखोला गाउँपालिका, काभ्रेपलाञ्चोकके पनौती नगरपालिका तथा हुम्लाके खार्पुनाथ गाउँपालिका प्रमुखकेँ सम्मान आ प्रशंसापत्र देल गेल अइछ ।

मन्त्रालय रोजगार श्रमिकके मापदण्ड पूरा कएल ६ टा व्यवसायी प्रतिष्ठानकेँ सम्मान केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय