काठमाण्डू, १ साओन : नेपाल शिक्षक महासंघ अगिला भादब ५ गतेसँ प्रदर्शन होएबला नेपाली चलचित्र ‘मास्टर्नी’के प्रवर्द्धनात्मक गीतमे प्रयोग भेल शब्दमे असहमति जनौलक अइछ । महासंघ गीतमे प्रयोग भेल शब्द शिक्षकके पेशाप्रति अपमानपूर्ण ढंग प्रयोग भेलासँ सुधारबाक आग्रह केलक अइछ ।
महासंघके अध्यक्ष लक्ष्मीकिशोर सुवेदी आ महासचिव तुलाबहादुर थापा आइ प्रेस विज्ञप्ति जारी करैत महिला शिक्षकपर लाञ्छित, अपमानित शब्द आ भाव प्रयोग कएल गेल उक्त गीत शिक्षक आ शिक्षण पेशाके गाैरवपर गम्भीर प्रहार कएने छै । उक्त गीतकेँ तुरुत बन्द आ चलचित्रमे प्रयोग नै करए लेल महासंघ आग्रह केलक अइछ ।
(रासस)





