चिनियाँ राजदूत सात सदस्यीय टोलीसहित लोमान्थाङमे


मुस्ताङ, १८ आसिन : नेपालक लेल चिनियाँ राजदूत चाङ माओमिङसहित सात सदस्यीय टोली कोरला नाका होइत शैनदिन उपरका मुस्ताङके लोमान्थाङ पहुँचल अइछ ।

मुस्ताङके प्रमुख जिला अधिकारी अजिता शर्मा कहलैन, “चिनियाँ राजदूत कोरला नाकासँ मुस्ताङ आएल छैथ, भ्रमणसम्बन्धी विस्तृत जानकारी प्राप्त नै भेल छै ।”

तीन दिनक भ्रमणमे लोमान्थाङ पहुँचल टोलीमे पाँच गोटे चिनियाँ अइछ, तँ उक्त टोलीके आइ लोमान्थाङसँ कोरला नाका होइत चीनदिस प्रस्थान करबाक कार्यक्रम रहल जनाएल गेल अइछ ।

लोमान्थाङ गाउँपालिका अध्यक्ष टसीनर्बु गुरुङके कहब अनुसार कोरला नाकाके वस्तुस्थिति बुझबाक लेल चिनियाँ राजदूत मुस्ताङ पहुँचल छैथ ।

लम्बा समयसँ बन्द रहल तातोपानी नाकाके विकल्प बनल केरुङ भोटेकोशी बाइढ़सँ बगरमे परिणत भेलाक बाद कोरला पुनः सञ्चालनके माँग भ रहल समय चिनियाँ राजदूतके मुस्ताङ भ्रमणकेँ अर्थपूर्ण मानल गेल अइछ ।

रसुवा आ तातोपानी नाका बन्द भेलाक बाद मुस्ताङ भंसार कार्यालय दैनिक ३० करोड़ टकाके हाराहारीमे राजस्व सङ्कलन करैत आएल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय