इटहरी (सुनसरी), १८ जेठः कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष आइसँ सप्तकोशी नदीमे डल्फिनके गणना सुरू केलक अइछ । आरक्ष सप्तकोशीमे रहल डल्फिनके गणना प्रत्येक वर्ष करैत आएल अइछ । एत रहल गंगेटिक प्रजातिके डल्फिनके गणना अइ साल आरक्ष सुरू केलक अइछ ।
सप्तकोशीमे सन् २०२२सँ नियमितरुपमे डल्फिनके गणना होइत रहल कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्षके वरिष्ठ संरक्षण अधिकृत भूपेन्द्रप्रसाद यादव जानकारी देलैन अइछ । ओ अइ साल राष्ट्रिय प्रकृति संरक्षण कोष, कोशी प्रदेश कार्यालय तथा काठमाण्डूस्थित हिमालयन नेचर संस्थासहितके प्राविधिक सहकार्यमे सुरू कएल गेल बतौलैन । ओ चेतनशील स्तनधारी जलचरके रूपमे चिनिने डल्फिन दुर्लभ मानल गेल से जानकारी करेलैथ ।
आरक्षके अनुसार गङ्गा सागरसँ कोशी नदी तकके यात्रा करएबला ई डल्फिन साफ आ गहिर पाइनमे विचरण करैत छै । चाइर दिनधैर होएबला गणनामे दू टा विधिके प्रयोग कएल जेबाक कहल गेल छै । सन् २०१२ मे ११ आ २०१७ मे १७ डल्फिन देखाए छल, तकर बादसँ डल्फिनके संरक्षणकेँ आरक्ष प्राथमिकता देने छल । तकर बाद वार्षिक गणनाके अभ्यास सुरू कएल गेल अइछ । आरक्षके तथ्याङ्कअनुसार २०२२ मे १७, २०२३ आ २०२४ मे समानरुपमे १९ डल्फिन गणना कएल गेल छल ।
राष्ट्रिय प्रकृति संरक्षण कोषक कोशी प्रदेश संयोजक वीरेन्द्र गौतम अइ साल डल्फिनके सङ्ख्यामे वृद्धि होबाक अनुमान व्यक्त कएलैन । रासस






