राजविराज (सप्तरी), २३ जेठः डकैतके एकटा समूह सुरूङगा नगरपालिका–८के एक घरमे लुटपाट करबाक सङे एक व्यक्तिके हत्यासेहो केलक अइछ ।
वृहस्पैतदिन राइत डकैतके एकटा समूह कान्तलाल चौधरीके घरमे प्रवेश क धनमाल लुइट क निजके हत्या सेहो कएने जिला प्रहरी कार्यालयक प्रमुख ढकेन्द्र खतिवाड राससकेँ जानकारी देलैन अइछ । डकैतके आक्रमणमे चौधरीके भाइ रमाकान्त घायल भेल छैथ ।
चौधरीके घरसँ सोना चाँनीके गरगहना आ टका डकैती भेल, प्रहरी डकैतसभके तीव्रगतिसँ खोजी भ रहल जानकारी देलक अइछ । रासस






