गामगाममे मोहर्रमके राैनक


जलेश्वर, २२ अखारः मुस्लिम समुदाय आइ महोत्तरीसहित तराई–मधेशक जिलाक गामँगामँमे ताजिया (घरायसी हात हतियारसहित कएल जाएबला नाँचगान) खेलाएत मोहर्रम पावैन मना रहल छैथ ।

मुस्लिम धर्मक प्रवर्तक पैगम्बर हजरत मोहम्मदके नातिसभ हजरत इमाम हुसैन आ हजरत इमाम हसनके यादमे मुस्लिम धर्मावलम्बीसभ प्रत्येक वर्ष बनाबैत आएल छै ।

अइ अवसरमे महोत्तरी सदरमुकाम जलेश्वर नगरपालिका–६ स्थित खैरा चोकमे एक विशेष प्रकारके मेला लागल करैत अइछ । मेलामे जलेश्वर नगरपालिकाक १२ टा वाडसँ ताजिया ल युवा, वयस्क, महिला आ वृद्धवृद्धा जमा हएत । एत आइ जलेश्वर बाहरक सेहो दर्जन बेसी ताजिया जम्मा हएत तँ हुनकासभके ताजियाकेँ एकआपसमे मिलन क मोहर्रम पावैन मनेबाक कार्यक्रम रहल जलेश्वर नगरपालिका–६ क जिवछ मोमिन जानकारी देलैन अइछ ।

महर्रमके अवसमे मुस्लिम समुदायक युवा तथा वयस्क ताजियाके चारैतिर विभिन्न घरायसी हतियार (फर्सा, तरबार, लठ्ठी) सहित ल खेल करब, तामासा करब आ हजरत इमाम हुसैन तथा हजरत इमाम हसनके नाममे नारा जुलुस करबाक चलन रहल जलेश्वर नगरपालिका–८ क रसिद राइन बतौलैन ।

एहिने, मुस्लिम महिला तथा युवती नयाँनयाँ वस्त्र आ आभूषण लगा क विभिन्न गामँटोलसँ ताजिया जमा होएब आ अबेर साँझधैर गीत तथा नाँच करबाक परम्परा रहल जलेश्वर–१२  मुस्लिम महिला रजिया खातुन बतौलैन ।

महोत्तरीके जलेश्वरसहित आइ गौशाला, औरही, मटिहानी, पिपरा, लोहारपट्टी, सम्सी, सोनमासहित १५ टा पालिकामे मोहर्रम पर्वके अवसरमे विभिन्न खेल, तामासा आ ताजिया खेल तँ तराई–मधेशक प्राय जिलामे मुस्लिम समुदाय विभिन्न कार्यक्रमसहित मोहर्रम पावैन मनाबैत अइछ ।
रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय