काठमाण्डू, २४ अखार : नेपाल–चीनके सिमानाके ल्हेन्दे खोलामे वितल राइत आएल भीषण वर्षाके कारण त्रिशूली नदीके उच्च बहावमे फसल दू व्यक्तिके सकुशल उद्धार कएल गेल अइछ । नेपाली सेनाक हेलिकप्टरद्वारा बाइढ़मे फसल दू व्यक्तिके सकुशल उद्धार कएल राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण जनौलक अइछ ।
प्राधिकरणके अनुसार नुवाकोट विदुर नगरपालिका–१ लभडाँडा मिलन चौताराके ६७ वर्षीय पाल्देन तामाङ आ हुनकर घरबाली ६२ वर्षीय मङ्गली तामाङ त्रिशूली नदीके किनारामे जरना आनए लेल गेलापर चीनमे भेल वर्षाक कारण अनचोके त्रिशूलीमे आएल बाइढ़ फसल छल । एखन दुनु व्यक्तिके हेलिकोप्टरद्वारा सकुशल उद्धार भ चुकल प्राधिकरण विज्ञप्तिमार्फत जनौलक अइछ ।





