बिपी राजमार्गः साओनभैर राइत १२ घण्टा बन्द


काभ्रेपलाञ्चोक, १ साओनः बिपी राजमार्ग अन्तर्गत काभ्रेपलाञ्चोक-खण्डमे आइसँ एक महिनाधैर राइतमे १२ घण्टा यातायात सञ्चालनमे रोक लगाएल जाएत। ओइ राजमार्ग अन्तर्गत जिलाक काभ्रेभञ्ज्याङसँ सिन्धुली-सीमा नेपालथोकधैर एक महिनाके लेल रोक लगाएल गेल जिला प्रशासन कार्यालय धुलिखेल जनौलक अइछ।

कार्यालय सार्वजनिक अपील करैत कहने अइछ जे मनसुन सक्रिय रहल अवस्थामे बिपी राजमार्गमे बाइढ़-भुस्खलनक सम्भावित जोखिम रहलाक कारण विपद्जन्य घटना भ सकैत छै, ताहि लेल जोखिम न्यूनीकरणक लेल राजमार्गक उल्लेखित क्षेत्रमे आइसँ साँझ ५ बजेसँ भोर ५ बजेधैर एक महिनाके लेल यातायात सञ्चालनमे रोक लगाएल गेल अइछ। काठमाण्डूसँ जाएबला सवारीके जिलाक काभ्रेभञ्ज्याङमे आ काठमाण्डू दिस आबैबला सवारीके सिन्धुलीक सिमाना नेपालथोकमे रोकल जाएत, प्रमुख जिला अधिकारी उमेश कुमार ढकाल बतौलैन।

हुनका अनुसार, मनसुनजन्य विपद्सँ भ सकैबला जोखिमके ध्यानमे राखैत एहिसँ पहिने काभ्रेपलाञ्चोक, सिन्धुली आ रामेछाप जिलाक सुरक्षा समितिक पदाधिकारीक अन्तर-जिला समन्वय समितिक बैसार बितल अखार ७ गतेसँ बिपी राजमार्गमे साँझ ६:३० बजेसँ भोर ५ बजेधैर लगभग दश घण्टा १५ दिन तथा आओर अखार महिनाधैर ओइ समयमे सड़क सञ्चालनमे रोक लगेने छल। ई अवधिमे काठमाण्डूसँ जाएबला सवारीके काभ्रेक काभ्रेभञ्ज्याङमे आ काठमाण्डू दिस आबैबला सवारीके सिन्धुलीक खुर्कोटमे रोकल गेल छल।

बीतल एक हप्ताक समयमे बाइढ़-भुस्खलनसँ लगभग चाइर बेर ओइ राजमार्ग अन्तर्गत काभ्रेपलाञ्चोक-खण्डमे सड़क अवरुद्ध भ चुकल अइछ। बितल साल आसिनके बाइढ़-भुस्खलन बिपी राजमार्ग अन्तर्गत काभ्रेक चौकीडाँडासँ सिन्धुलीक वर्षेखोला धैरके आठ किलोमिटर सड़कखण्डमे सड़क बहेलाक कारण खोलामे कताै एकदिस, कताै दुनू दिस अस्थायी सड़क सञ्चालनमे आनल गेल अइछ।

बाइढ-भुस्खलनसँ राजमार्गक कुल १६० किमी मध्ये तेसर खण्ड अन्तर्गत सिन्धुलीक खुर्कोटसँ नेपालथोकधैर ३४ किमी आ चारिम खण्ड नेपालथोकसँ काभ्रेपलाञ्चोकक धुलिखेलधैर ५० किमी क ८४ किमी सड़कक विभिन्न स्थानमे बेसी क्षति पहुँने छल। कार्यालय क्षतिग्रस्त राजमार्गक स्थायी निर्माणक लेल चाइर खण्डमे ठिक्काक प्रक्रियामे सेहो आगा बढ़ा रहल अइछ। पूर्वी नेपाल जोड़ैबला छोट दूरीक रूपमे रहल ओइ राजमार्गसँ दैनिक हजारौँ यातायातके साधन आबत-जाबत करैत अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय