जनकपुरधाम, ५ साउन । महोत्तरी गाउँपालिका–१ पर्सा निवासी २८ वरिषक शनी नामसँ परिचित विमलेश यादव हत्याक आरोपमे एक युवतीकेँ गिरफ्तार कएलक अइछ ।
धनुषा पुलिस सोमबार एक पत्रकार सम्मेलन क’ माध्यमसँ महोत्तरीक बलवा नगरपालिका–७ बनौटाकी २४ वर्षीया जुली झा केँ सार्वजनिक कएल गेल अइछ । पुलिसक अनुसार शनिदिन रातिमे जनकपुरक होटल एसपी एण्ड गेष्टहाउसमे विमलेश पर छुरा स’ वार क’ क’ हुनका पहिल तल्लासँ खसा देल गेल। गम्भीर रूप स’ घाइते विमलेश केँ प्रादेशिक अस्पताल जनकपुर ल’ जाइतकाल इलाजक क्रममे रैब दिन भोर ७ः४५ बजे मृत्यु भ’ गेल ।
सिसीटीभी फुटेज अनुसार शनिदिन राइत ९ः५५ बजे विमलेश आ जुली होटलमे प्रवेश कएने छल । लगभग पाँच घण्टा बाद, रैब दिन भोर २ः५७ बजे विमलेश नग्न आ खुनसँ लतपत अवस्थामे पहिल तल्लासँ खसैत देखल गेल । तत्काले जुली सेहो तल उतरि क’ भागि गेल छल ।
पुलिस सिसीटीभी फुटेज आ घटनास्थलक अनुसन्धानक आधार पर जुलीकेँ रैब दिन दुपहर गिरफ्तार कएलक ।






