मधेशक सुख्खाग्रस्त क्षेत्रमे बेलायती संस्था सहयोग करत


जनकपुर, ११ साओन: मधेश प्रदेशकेँ विपद् संकटग्रस्त क्षेत्र घोषणा क सरकारद्वारा राहत आ सहयोगक लेल आह्वान कएलाक बाद बेलायतक एक संस्था सहयोग करबाक प्रतिबद्धता जनौने अइछ।

राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरणक समन्वयमे बेलायत सरकारक अन्तर्गत सञ्चालित ‘स्टार्ट फन्ड नेपाल’ परियोजना राहत आ सहयोग कार्यक्रम आगाँ बढेबाक प्रतिबद्धता जनौने अइछ।

सुख्खासँ प्रभावित पर्सा, बारा, रौतहट, सर्लाही, सिराहा आ सप्तरीक १० टा पालिकामे लागू होएबला ओइ कार्यक्रम आबैबला ६० दिनधैर सञ्चालन होएत, से मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्रीक सचिवालय जनौने अइछ।

परियोजनासँ आठ हजार ३५५ घरक लगभग ४४ हजारसँ बेसी नागरिक लाभान्वित हेताह। कार्यक्रमक लेल कुल दू करोड़ ६० लाख ३३ हजार ४७६ टका बजेट विनियोजन कएल गेल अइछ। कार्यक्रमकेँ तीन चरणमे कार्यान्वयन कएल जाएत। पहिल चरणमे सुख्खाग्रस्त क्षेत्रमे आपत्कालीन रूपसँ पाइन वितरण, दोसर चरणमे गहीर बोरहोल खनबाक सम्भाव्यता अध्ययन, सिंचाइ प्रणालीक सुधार तथा दीर्घकालीन पाइन प्रणाली निर्माणपर जोड़़ देल जाएत।

तेसर चरणमे जीविकोपार्जनक पुनःस्थापनाकेँ प्राथमिकता देल जाएत आ एकर अन्तर्गत ‘क्यास फर वर्क’ कार्यक्रम, सिंचाइ मर्मत तथा वैकल्पिक बाली प्रवर्द्धनमे प्राविधिक सहयोग प्रदान करबाक जानकारी आएल अइछ, से मुख्यमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार अवधेश झा बतौलैन। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय