‘स्थानीय तहके नीतिमे समावेशी दृष्टिकोण आवश्यक’


सिरहा, १५ साओन: स्थानीय सरकारक नीति, कार्यक्रम तथा बजेट निर्माणमे सीमान्तकृत समुदायके सहभागिता सुनिश्चित करबाक चाहीमे सरोकारवाला जोड़ देने अइछ ।

दलित विकास मञ्च, सिरहाद्वारा बुधदिन गोलबजारमे ‘स्थानीय नीतिमे सीमान्तकृत समुदायक प्रतिनिधित्व’ विषयपर एकटा बातचित आयोजित कएल गेल छल। ओइ बातचितमे गोलबजार नगर प्रमुख श्याम कुमार श्रेष्ठ कहलैन जे स्थानीय तहमे नीति निर्माण करैत कालसभ वर्गक आवाज सुनबाक आ समेटैलेल प्रणाली विकास करब आवश्यक अइछ। ओ कहलैन, “सीमान्तकृत समुदायकेँ प्रतिनिधित्वविहीन बनेबाक प्रवृत्ति अन्त करबाक लेल हमरासभकेँ व्यवहारमे समावेशिता देखएबाक चाही। नीति निर्माण करैत काल तथ्य, समावेशिता आ न्यायकेँ प्राथमिकता देबाक चाही। हमर नगरपालिका सब समुदायकेँ समेटबाक दिशामे अग्रसर अइछ।”

वाड नं. १२ क वाडध्यक्ष विशेन्द्र साह वाडस्तरसँ समावेशी नीति निर्माण करबाक चाही कहिक जोड़ देलैन। दलित विकास मञ्च, सिरहाक सचिव रामचन्द्र महरा कहलैन जे दलित समुदाय सहित सीमान्तकृत वर्गक नीति निर्माणमे सहभागिता बढेबाक उद्देश्यसँ ई बातचित आयोजित कएल गेल अइछ। ओ समावेशिता नीतिमे मात्र नै, कार्यान्वयनमे सेहो हेबाक चाही बताैलैन ।

तहिना, ‘दलित लाइभ्स म्याटर’ कार्यक्रमक संयोजक वृद्धिक’ सेन्चुरी कहलैन जे समाजमे पाछाँ राखल गेल समुदायकेँ आगाँ अनबाक लेल नीतिगत तहमे हुनकासभक उपस्थिति अनिवार्य अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय