सिरहा, १६ साओन: लहान नगरपालिका सन् २०३० भितर नगरके सब घरमे शुद्ध पियैबला पाइन पहुँचेबाक महत्वाकांक्षी योजना सार्वजनिक कएने अइछ।
नगरप्रमुख महेशप्रसाद चौधरी वृहस्पैतदिन पत्रकार सम्मेलन क पियैबला पाइन आ सरसफाइकेँ प्रमुख प्राथमिकतामे राखल गेल बतौलैन। नगर प्रमुख चौधरी कहलैन, “हमरासभ २०३० धैर २४ टा वाडमे पाइन पहुँचेबाक योजना बनेने छी।” योजना अनुसार, प्रारम्भिक चरणमे वाड नम्बर १३, १४, १६ आ २४मे पाइपलाइन जड़ान कएल जाएत जखन कि आबैबला वर्ष भितर वाड नम्बर ११, १२, १८ आ २०मे योजना विस्तार कएल जाएत।
नगरक चाइर सओ दलित तथा विपन्न परिवारकेँ निःशुल्क धारा जड़ान कएल जेबाक जनाएल गेल अइछ। पाइनके सङे लहानकेँ खुला दिसामुक्त क्षेत्र सुनिश्चित करबाक लक्ष्य सार्वजनिक कएल गेल अइछ। आबैबला वर्ष भितरे तीन हजार शौचालय निर्माण कएल जाएत, नगरप्रमुख चौधरी जानकारी देलैन। रासस






