जनकपुरधाम, १७ साओनः पाइन नै हेबाक कारण सुखा तथा रौदीक चपेटमे पड़ल किसानक लेल मधेश प्रदेश सरकार १८ करोड़ टकाके लागतमे स्यालो ट्युबवेल वितरण प्रक्रिया सुरू केलक अइछ।
मधेश प्रदेशक भूमि व्यवस्था, कृषि तथा सहकारी मन्त्रालय सुखाक्षेत्र सहयोग कार्यक्रमक अन्तर्गत प्रदेशक आठ जिलाक किसानक लेल स्यालो ट्युबवेल वितरण योजना अनने अइछ।
धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट, बारा, पर्सा, सिरहा आ सप्तरीमे पाइनके अभावमे रौदीसँ पीड़ित किसानकेँ सम्बन्धित कृषि ज्ञान केन्द्रक कार्यालयसँ स्यालो ट्युबवेल वितरण सुरू कएल गेल मन्त्रालयक प्रवक्ता सरोज चौधरी जानकारी देलैन। जनताक आवश्यकता तथा प्राथमिकताक आधारमे एक हजार दू सओ स्यालो ट्युबवेल वितरण कएल जेबाक हुनकर कहब अइछ।
एकटा स्यालो ट्युबवेल जड़ान करबामे एक लाखसँ तीन लाखधैर खर्च होएबाक मन्त्रालयक अनुमान अइछ। सङे, सोलार जोड़लापर अतिरिक्त खर्च होएत। ट्युबवेल जड़ान करैत काल पाइनक सतह (गहिराइ) कते छै, ताहि आधारपर खर्च लागत, हुनकर कहब अइछ।
स्यालो ट्युबवेल वितरणक लेल अखन सात दिनक सूचना जारी कएल गेल छै। एकटा ट्युबवेल लेबाक लेल दू बिघा खेती योग्य जमीनक प्रमाणित लालपुर्जा कृषि ज्ञान केन्द्रमे पेश करए पड़त।
पाइनक अभावमे मधेश प्रदेशमे अखनधैर ५० प्रतिशत धानक खेती भेल मन्त्रालय जनौलक अइछ। रासस





