राजविराज (सप्तरी), १८ साओन: सप्तरीक छिन्नमस्ता गामपालिका–१ बरही विरपुरमे प्रहरी हवाई फायर क आइ हेरोइनसहित दू गोटेकेँ गिरफ्तार कएने अइछ ।
गोप्य सूचनाक आधारमे जिला प्रहरी कार्यालय सप्तरीसँ खटल गेल प्रहरी, दू राउण्ड हवाई फायर करैत दू गोटेकेँ लागुऔषध हेरोइनसहित गिरफ्तार केलक अइछ ।
छिन्नमस्ता गाउपालिका–१ बरही विरपुरक विशाल राय आ डाक्नेश्वरी–७ क मनोज राय छैथ । सप्तरी प्रहरी प्रमुख, प्रहरी उपरीक्षक गौतम केसीक अनुसार, पकड़ाएल व्यक्तिसभके सङमे एक सओ ग्रामसँ बेसी लागुऔषध ब्राउन सुगर (हेरोइन) बरामद भेल अइछ ।
प्रहरी समूहद्वारा नियन्त्रण करैत काल ओसभ भागए लागल छल । ओइ क्रममे नियन्त्रणमे लेबाक लेल दू राउण्ड हवाई फायर करए पड़ल, उपरीक्षक केसीक बताैलैन । रासस





