काठमाण्डू, २० साओन: अखन देशभैर मनसुनी वायुके प्रभाव रहल अइछ । मनसुनके न्यूनचापीय रेखा औसत स्थानसँ उत्तरदिस अइछ।
जल तथा मौसम विज्ञान विभागक अनुसार आइ दिनमे देशभैर अधिकांश बदली रहत। कोशी आ मधेश प्रदेशक किछु स्थान तथा अन्य प्रदेशक बहुत स्थानमे मध्यम वर्षाक सम्भावना अइछ। लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक किछु स्थान तथा बागमती आ गण्डकी प्रदेशक एक-दू स्थानमे भारीसँ बहुत भारी वर्षाक सम्भावना अइछ।
ओहिना, आइ राइत देशभैर अधिकांश बदली रहबाक सङे लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक बहुत स्थान तथा अन्य प्रदेशक किछु स्थानमे मध्यम वर्षाक सम्भावना रहल विभाग जनौने अइछ। रासस
pic: AI






