आब इम्बोस्ड नम्बर अनिवार्य


काठमाण्डू, २० साओनः सवारीसाधनमे आब इम्बोस्ड नम्बर अनिवार्य जड़ान करए पड़त। भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री देवेन्द्र दाहालक अध्यक्षतामे प्रदेशक मन्त्री तथा सचिवसभ सहभागी विषयगत समितिक बैसार ई निर्णय कएने अइछ।

आइ सम्पन्न बैसार अगिला आसिन १ गतेसँ अनिवार्य रूपमे इम्बोस्ड नम्बर जड़ान करबाक, करेबाक निर्णय कएने अइछ। सब प्रदेश सरकार मातहतके यातायात व्यवस्था कार्यालयसँ सवारी दर्ता, नामसारी आ नवीकरण करैत काल २०८२ आसिन १ गतेसँ लागू होएबला हिसाबसँ अनिवार्य रूपमे इम्बोस्ड नम्बर प्लेट जड़ान करबाक आ ओकर कार्यान्वयनक लेल प्राविधिक सहयोग विभाग उपलब्ध कराएत तथा गृह मन्त्रालयसँ समन्वय क ट्राफिक प्रहरी सेहो परिचालन क प्रभावकारी नियमन करबाक बैसारक निर्णय अइछ।

एहिना, सुरक्षण मुद्रण सम्बन्धी ऐन, २०८१ क दफा ९ अनुसार सुरक्षण मुद्रण केन्द्र आ यातायात व्यवस्था विभागबीच छपाइ करए लेल बाँकी सवारी चालक अनुमतिपत्र छपाइके लेल बितल जेठ ९ गते समझदारी पत्रमे हस्ताक्षर भेल सन्दर्भमे सुरक्षण मुद्रण केन्द्र २०८२ अखार महिनाधैरमे प्रथम चरणक सवारी चालक अनुमतिपत्र उत्पादन सुरू करबाक हिसाबसँ २०८२ जेठ ९ गते केन्द्र आ यातायात व्यवस्था विभागबीच सहमति भेल छल, जाहिमे भादव महिनाभित्र यथाशीघ्र छपाइ सुरू करए लेल केन्द्रकेँ आग्रह करबाक निर्णय सेहो बैसार कएने अइछ।

सवारी चालक अनुमतिपत्र छपाइक लेल कोशी प्रदेश, बागमती प्रदेश आ गण्डकी प्रदेश आवश्यक खरिद प्रक्रिया आगा बढा चुकल सन्दर्भमे सवारी चालक अनुमतिपत्र छपाइक कार्य अविलम्ब सञ्चालन करए लेल सुरक्षण मुद्रण केन्द्र अनुमति दै लेल आग्रह करबाक निर्णय सेहो भेल अइछ।

बैसार १० सालक सवारी चालक अनुमतिपत्र वितरणक लेल राजस्वमे एकरूपता कायम करबाक, तथ्याङ्कसभकेँ डिजिटलाइज करबाक, भुक्तानी प्रक्रियाकेँ विद्युतीय माध्यममे ल जेबाक, सफ्टवेयर प्रणालीकेँ चुस्त आ व्यवस्थित बनेबाक, बेरुजु फछर्यौटकेँ प्रभावकारी बनेबाक, राइड सेयरिङबारे एकरूपता कायम क लागू करबाक सहितक निर्णय सेहो कएने अइछ। सङ्घ, प्रदेश आ स्थानीय तह (समन्वय तथा अन्तरसम्बन्ध) ऐन, २०७७ क दफा २२ अनुसार भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री दाहालक अध्यक्षतामे बैसार सम्पन्न भेल अइछ।

मन्त्री दाहाल संविधान तथा ऐनसभद्वारा निर्दिष्ट व्यवस्था कार्यान्वयन करैत सङ्घीयता कार्यान्वयनकेँ मजबूत बनेबाक आवश्यकता रहल बतौलैन। तीनू तहक समन्वय आ सहकार्यसँ सङ्घीयता कार्यान्वयन प्रभावकारी बनेबाक बातपर जोड़ दैत ओ समितिक निर्णयसभक कार्यान्वयनमार्फत नागरिककेँ सेवा सहज बनेबाक बात बतौलैन।

एहिना, मन्त्रालयक सचिव केशव कुमार शर्मा बैसारसँ विगतमे भेल निर्णयक समीक्षा करैत अगिला कार्यदिशाबारे महत्वपूर्ण निर्णय भेल बतौलैन। बैसारमे सङ्घीय आ प्रदेशक मन्त्री, सचिवक सङे स्थानीय तहके जनप्रतिनिधीक सहभागिता छल। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय