राजविराजमे पुलिसक गोलीसँ युवकके मृत्यु, पुलिस विरुद्ध प्रदर्शन


राजविराज, २१ साउन । सप्तरीक राजगढ गाउँपालिकामे पुलिसक गोली लागलसँ एक गोटा व्यक्तिक मृत्यु भेलाक बाद सदरमुकाम राजविराजमे तनावपूर्ण स्थिति बनल अइछ।

मृतकक परिजन आ गामक लोकनि जिल्ला पुलिस कार्यालयक आगाँ टायर जरा कए आक्रोश व्यक्त कएलक अइछ । ओ सब पुलिसक विरुद्ध  नारा लगबैत दोषी पर कारबाईक मांग कए रहल छइथ।

घटना राजगढ गाउँपालिका–२ मे मध्यरातक समयमे भेल अइछ। दारु भारत दिस तस्करी होइत अइछ से सूचना पाइब पुलिस टीम गेल छल । तही त्रःममे स्थानीय लोगद्वारा अचानक ढुंगामुड़ा कएल गेल, जेकर बाद पुलिस गोली चलौलक से पुलिसके दावी अइछ ।

पुलिसक गोली लागिकए गम्भीर रूप सँ घायल करिब ३७ वर्षीय लालु यादवक गजेन्द्रनारायण सिंह अस्पताल, राजविराज ल’ जाइल गेल, मुदा उपचारक क्रममे हुनकर मृत्यु भ’ गेल अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय