काठमाण्डू, २२ साओनः प्रतिनिधिसभा, अन्तर्राष्ट्रीय सम्बन्ध आ पर्यटन समिति आइ पशुपतिनाथ क्षेत्रक निरीक्षण तथा अनुगमन कएने अइछ ।
सभापति राजकिशोर यादवक नेतृत्वमे पहुँचल समितिक पदाधिकारीक समूह पशुपति क्षेत्र विकास कोष तथा मन्दिर क्षेत्रक समग्र अवस्थाक बारेमे अवलोकन केलक । ओ समूह मन्दिरक मूल पुजारी भट्टसँ सेहो आवश्यक सल्लाह सुझाव सहित बातचित कएने छल ।
अवलोकनमे सांसदसभ उदय समशेर राणा, एकनाथ ढकाल, प्रेम सुवाल, नारायण प्रकाश साउद, दामोदर पौडेल वैरागी सहितक सहभागिता रहल पशुपति क्षेत्र विकास कोष जनौने अइछ । निरीक्षण समूह मन्दिर परिसरक पूर्वाधार, व्यवस्थापन, स्वच्छता तथा पर्यटनमैत्री वातावरणक विषयमे गहिर ध्यान देबाक सङे समितिक पदाधिकारी आ पशुपति क्षेत्र विकास कोषक पदाधिकारी बीच बातचित सेहो भेल कोषक निमित्त सदस्य–सचिव शुभाषचन्द्र जोशी जानकारी देलैन ।
ओ कहलैन, “समिति पशुपति क्षेत्रमे विद्यमान समस्याक बारेमे प्रत्यक्ष जानकारी लेलक अइछ, पदाधिकारीसभ एतयके समस्या अवलोकन केलैन आ समाधानक लेल आवश्यक पहल करबाक आश्वासन देलैन ।”
बातचितक क्रममे पशुपति क्षेत्र विकास कोष, कोषक विकास, धार्मिक पर्यटकके सुविधा, सुरक्षा व्यवस्थापन आ पूर्वाधार सुदृढीकरणक विषयमे विशेष ध्यान देबाक चाही तथा एतके समस्याक समाधानक लेल राज्यक दिससँ आओर सहयोग आवश्यक रहबाक धारणा राखल गेल छल ।
निरीक्षण पश्चात् समिति निकट भविष्यमे पशुपति क्षेत्रक सुधार तथा विकासक लेल आवश्यक निर्देशन आ सिफारिस करबाक प्रतिबद्धता जनौने समितिक सभापति यादव बतौलैन।





