राजविराज (सप्तरी), २३ सावन : आइ भोर मे करेन्ट लगलासँ सप्तरीक रुपनी गामपालिका–३ कटैयामे एक गोटेक जान गेल अइछ ।
स्थानीय शम्भुकुमार इसरक करेन्ट लगलासँ मृत्यु भेल जिला प्रहरीक प्रहरी नायब उपरीक्षक जितेन्द्रकुमार बस्नेत जानकारी देलैन । करेन्ट लगलासँ हुनकर घटनास्थलमे जान चइल गेल । हुनकर कहब अनुसार, ४२ वर्षीय इसरकेँ गामक धान खेतमे लगाएल गेल विद्युत् मोटर खोलबाक क्रममे ओत रहल नङ्गा तारमे छुबलासँ करेन्ट लागल छल । (रासस)






